राजविराज, ३० वैशाख । सप्तरी जिलाक रुपनी गाउँपालिका–१ स्थित औद्योगिक क्षेत्रमे आयोजित महायज्ञक मण्डपमे सोम दिन साँझमे आइगलगी भेल अइछ ।
महायज्ञक समापनक दिन सन्ध्याक समयमे अचानक लागल आइगक कारण मुख्य मण्डप पूर्ण रुपमे जइरकए नष्ट भेल अइछ । हवनक कार्यक्रम चइल रहल समयमे एक्केबेरमे अत्यधिक मात्रामे घीउ विसर्जन कएल जा रहल क्रममे आइगलगी भेल छल । ओही क्रममे एकाएक अग्निक धधरा मण्डपमे लाइग गेल छल । फैलल आइगलगीस’ मण्डपमे सजाओल गेल लत्ताकपड़ा, हवन सामग्री, पूजापाठक अन्य सामग्री सहित सम्पूर्ण मण्डप नष्ट भ’ गेल अइछ ।
उपस्थित भक्तजन आ आयोजक टोलीक तत्परतास’ आइग बुतेबाक प्रयास कैल गेल छल । घटनाक जानकारी पाइबते राजविराज नगरपालिकासँ बारुणयन्त्र ढिला पहुँचल छल । ताधइर मण्डप जइरकए छाउरमे परिणत भ’ गेल छल ।
महायज्ञक आयोजन २१ बैशाखसँ शुरू भेल छल । जकर उद्देश्य औद्योगिक क्षेत्रक भूमिक दोष शुद्धिकरण करब छल । महायज्ञमे एक हजार आठ मण्डप बनाओल गेल छल, जतय कीर्तन मण्डली, हनुमान आराधना, वृन्दावनक रासलीला, रामलीला, रामचरितमानस पाठ, उच्चकोटीक विद्वानसभद्वारा प्रवचन, आ विशाल भण्डाराक व्यवस्था कएल गेल छल ।





