काठमाण्डू, ३ जेठ: भारतीय अभिनेत्री तथा नृत्याङ्गना नोरा फतेही नेपाल आ नेपालीसँ भेटल प्रेम प्रति आभार प्रकट कएलैन। आइ त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रीय विमानस्थलमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे कहलैन जे नेपालमे आइब क प्रस्तुति देबाक मौका भेटलासँ खुश छी।
कहलैन, “हम नेपालीसभसँ भेटबाक लेल उत्साहित छी। हमरासभ अपन तैयारी पूरा कएने छी आ मनोरञ्जन देबाक उद्देश्यसँ नेपाल आएल छी। ई हमर पहिल नेपाल यात्रा छी।” फतेही नेपालक आतिथ्य आ सहयोगी भावना प्रति प्रशंसा करैत कहलैन । ओ आइ संयुक्त अरब इमिरेट्ससँ फ्केँ दुबईसँ नेपाल आएल छैथ।
हुनकर नृत्य टोलीमे २३ सदस्य शुक्रदिन नेपाल आइब चुकल छैथ। अभिनेत्री फतेही आइ साँझ तारागाउँ स्थित ह्यात परिसरमे ‘नोरा फतेही लाइभ इन नेपाल’ नामक कार्यक्रममे प्रस्तुति देत।
शिक्षासँ वञ्चित बालबालिकाक क्षेत्रमे सक्रिय सामाजिक संस्था ‘ह्युमन रेस्पेक्ट नेपाल’क सहयोगार्थ आयोजित च्यारिटी कार्यक्रममे भाग लेबाक उद्देश्यसँ अभिनेत्री फतेही नेपाल आएल जानकारी वर्ल्डवाइड फिल्म्स नेटवर्क प्रालिक मनिष कार्की देने छइथ।
कार्की कहलैन, “मनोरञ्जनके माध्यमसँ सामाजिक काजमे सहयोग देबाक उद्देश्यसँ हम एहि कार्यक्रमके आयोजन कएने छी। नेपालमे अभिनेत्री फतेहीके प्रति मांग देखिते हम कार्यक्रम लेल प्रस्ताव देलियै, आ ओ स्वीकार कएलैन। हुनका सङे नेपाली कलाकारसभ सेहो सम्मानके सङ मंचपर अपन प्रस्तुति देत।”
कार्की अनुसार अभिनेत्री फतेही रैवदिन भोरमे भारत जाएत। कार्यक्रमके सम्पूर्ण व्यवस्थापन मनु मिडिया प्रालिकद्वारा कएल गेल अइछ। फतेहीक ‘दिलबर दिलबर’, ‘कुसु कुसु’, ‘ओ साकी साकी’, ‘नाच मेरी रानी’, ‘स्नेक डान्स’ आदि गीत नेपालमे सेहो लोकप्रिय अइछ।
कार्यक्रममे नेपाली कलाकारसभमे गायक दुर्गेश थापा, नृत्याङ्गना तेरिया फौजा मगर, आ नृत्यकार समर्पण लामे सहित प्रस्तुति देबाक आयोजक जानकारी देलक अइछ। रासस





