सुनसरी, १ कातिक : इनरुवा नगरपालिका–४ ज्ञानोदय टोलसँ ९ सओ १५ किलो ६८० ग्राम गाँजासहित चाइर गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।
उक्त टोलके हनुमान मन्दिर लग रहल बुलबुल यादवके घरमे आइ भोर खानतलासी कएलापर उक्त परिमाणके गाँजा बरामद कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालयके सहायक सूचना अधिकारी हेमराज ओली राससकेँ बतौलैन ।
इनरुवा नगरपालिका–४ के ३६ वर्षीय बुलबुल यादव, २३ वर्षीय सन्तोष यादव आ ३० वर्षीय आशिष यादव तथा दुहबी नगरपालिका–१० के २२ वर्षीय कुन्दन यादवकेँ एकटा मोटरसाइकलसहित नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ । (रासस)





