जीवित देवी कुमारीद्वारा तलेजु भवानीके दर्शन


काठमाण्डू, ४ कातिक : जीवित देवी कुमारीकेँ काठमाण्डूके हनुमानढोकास्थित तलेजु भवानीके दर्शन कराएल गेल अइछ ।

तलेजु भवानीके दर्शन करेबाक परम्परा अनुसार मङ्गलदिन राइत तान्त्रिक आ वैदिक विधिसँ जीवित देवी कुमारीकेँ तलेजु भवानीके दर्शन कराएल गेल । तलेजु भवानीके दर्शनसँ शक्ति आर्जन होबाक विश्वास अइछ ।

कुमारीकेँ देवी तलेजु भवानीके दर्शनक लेल रथयात्रासहित सुरक्षित कुमारी घरसँ तलेजु परिसरमे पहुँचाएल गेल कुमारी घरक व्यवस्थापक गौतम शाक्य जानकारी देलैन ।

कुमारीकेँ दर्शन करेबाक लेल देवी भवानीकेँ मन्दिरसँ मूल चौकपर आनल गेल छल । हनुमानढोका दरबारके उत्तरदिस तीन मंजिला प्यागोडा शैलीमे बनाएल मन्दिरमे रहल तलेजु भवानीकेँ मल्ल राजासभ कुल देवताके रूपमे मानने इतिहास अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय