तीन अरब ६८ करोड़ २२ लाख ४७ हजार टकाके चायपत्ति निर्यात


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)

भद्रपुर (झापा), ७ जेठ: मेची भन्सार कार्यालयसँ चालू आर्थिक वर्षके १० महिनामे चायपत्ति निर्यातमे ४६.१० प्रतिशतके वृद्धि उल्लेख कएल गेल अइछ। कार्यालयके तथ्यांक अनुसार कुल तीन अरब ६८ करोड़ २२ लाख ४७ हजार टका बराबरके चायपत्ति निर्यात कएल गेल अइछ।

चालू आर्थिक वर्षक १० महिनामे १३ हजार ८८६.७७ मेट्रिक टन चायपत्ति निर्यात भेल मेची भन्सार कार्यालयक सूचना अधिकारी ईश्वर कुमार हुमागाइँ जानकारी देलक अइछ। बितल आर्थिक वर्ष २०८०/८१मे एके अवधिमे दू अरब ५२ करोड़ १० लाख १४ हजार टका बराबरके चायपत्ति निर्यात भेल छल।

कार्यालयके तथ्यांक अनुसार चालू वर्षक वैशाख महिनाधैर इलैँची निर्यात ३.६० प्रतिशत घटल अइछ। चालू आवक १० महिनामे छ अरब ६६ करोड़ २५ लाख ४५ हजार टकाके इलैँची निर्यात भेल, बितल वर्ष एके अवधिमे छ अरब ९० करोड़ ९४ लाख ४८ हजार टकाके निर्यात भेल छल।

भेनीयर सिटक निर्यात ७९ प्रतिशत, छड़ ७.७० प्रतिशत, सिआरसिटक ६२.२० प्रतिशत आ मोलासिसक निर्यात ८४४.३० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ। ओही तरहेँ सिमेन्ट क्लिङ्कर ३.९० प्रतिशत, छुर्पी १६.२० प्रतिशत, अदुवा ५९.४० प्रतिशत आ अम्रिसोक निर्यातमे १३ प्रतिशतसँ कमी भेल उल्लेख अइछ।

मेची भन्सार कार्यालयसँ चालू आवके १० महिनामे कुल २१ अरब ४५ करोड़ ९३ लाख २३ हजार टकाके मालसमानके निर्यात भेल अइछ।

pic: https://commons.wikimedia.org

ताजा खबर
लोकप्रिय