काठमाण्डू, ११ जेठ : सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री पृथ्वीसुब्बा गुरुङ आ संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयनमन्त्री बद्रीप्रसाद पाण्डे राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) गणतन्त्र दिवस–२०८२ क अवसरमे आयोजित तस्बिर प्रदर्शनीके उद्घाटन कएलैन अइछ ।
भद्रकाली प्लाजास्थित रासस केन्द्रीय कार्यालयमे ‘पर्वतीय पर्यटनः अपन शान अपन पहिचान’ आयोजित प्रदर्शनीमे हिन्दूकुश हिमशृङ्खलक हिमाल, हिमाली आ पहाड़़ी जनजीवन तथा देशक प्रमुख पर्यटकीयस्थलके ९६ टा तस्बिर समेटल गेल छै ।
जलवायु परिवर्तनक कारण नेपालजकाँ पर्वतीय देश भोगल समस्याप्रति अन्तर्राष्ट्रीय समुदायके ध्यानाकर्षण कराबए उद्देश्य नेपाल सरकारद्वारा हाले सम्पन्न ‘सगरमाथा संवाद’ कार्यक्रमकेँ जोइड़ क रासस समाचारदाता आ फोटो पत्रकार विभिन्न कालखण्डमे खिचल हिमाल, पर्वत तथा पर्यटकीयस्थल सम्बन्धी तस्बिर प्रदर्शनीमे समावेश छै ।
ग्राहकके मांगकेँ दृष्टिगत क रासस अपन उत्पादनमे विविधता आइन रहल सन्दर्भमे प्रदर्शनी राससक समाचार आ तस्बिरकेँ आओर समृद्ध बनाबए सहयोग पहुँचबाक विश्वास कएल गेल अइछ । रासस बितल वर्ष भौतिक पूर्वाधार निर्माण आ ताहिसँ पहिने देशक सांस्कृतिक विविधतासम्बन्धी प्रदर्शनी कएल छल ।
जलवायु परिवर्तनसँ मानव सभ्यतामे आएल चुनौती, हिमाल आ हिमाली जनजीवनमे पड़ल प्रभावबारे अन्तर्राष्ट्रीय सञ्चारमाध्यम प्राथमिकताक साथ आवाज उठा रहल अवस्थामे हिमालके संरक्षणक लेल बहस आ पैरवी करए लेल प्रदर्शनीसँ योगदान होबाक राससके विश्वास अइछ ।
नेपालके पूर्वसँ पश्चिमधैर फैलल हिमशृङ्खलाके प्रवर्द्धनसँ आर्थिक आयआर्जनमे योगदान पहुँचबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ । विश्वक आठ हजार मिटरसँ अगिला १४ हिमशिखरमध्ये सगरमाथा, कञ्चनजङ्गा, ल्होत्से, मकालु, चोयु, मनास्लु, अन्नपूर्ण आ धवलागिरी, रि हिमशृङ्खला नेपालमे छै ।
अइसँ पहिने राससके कार्यकारी अध्यक्ष धमेन्द्र झा आ महाप्रबन्धक सिद्धराज राई पाहुनकेँ स्वागत करैत प्रदर्शनीमे राखल गेल हिमालसहितक तस्बिर आ प्रदर्शनीके महत्वबारे जानकारी कराैने छल । तस्बिर प्रदर्शनी इएह जेठ ३० गतेधैर सञ्चालन हएत। रासस






