बाल सुधार गृहके समस्या समाधान करबाक मांग


काठमाण्डू, १४ जेठ: राष्ट्रियसभाक आइ आयोजित बैसारमे बोलैत सांसदसभ बाल सुधार गृहसभमे देखल विभिन्न समस्याके समाधान करबाक, आइब रहल मनसुनकेँ ध्यानमे राइख क आवश्यक तैयारी करबाक आ अन्य समसामयिक विषयसभमे सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन।

शून्य समयमे सांसद कृष्णबहादुर रोकाया बाल सुधार गृहमे देखाएल समस्यासभके समाधान करबाक मांग कएलैन। ओ कहलैन जे देशभैर केवल नाै टा बाल सुधार गृह छै, आ ओहीमे सेहो क्षमतासँ बेसी बालक राखल गेल अइछ, जाहिसँ कतेको समस्या उत्पन्न भेल छै।

ओ कहलैन, “कर्णाली प्रदेशमे तँ एकोटा बाल सुधार गृह नै अइछ। अत्यधिक भीड़, पर्याप्त शौचालयक अभाव, शिक्षा आ परामर्श सेवाक कमी, तथा आवश्यक सुविधासँ वञ्चित अवस्था देखल जा रहल अइछ। एहेन बालगृहमे सुधार आवश्यक अइछ।”

सांसद घनश्याम रिजाल कहलैन जे बितल वर्ष बाइढ़-पहिराेसँ भयावह स्थिति बनल छलै, आ एहेन वर्ष औसतसँ बेसी वर्षा होएबाक अनुमान अइछ। तेँ उद्धार, राहत आ पूर्वतैयारीमे सरकार गम्भीर बनए, एहेन ध्यानाकर्षण करौलैन।

सांसद पूजा चौधरी बतौलैन जे रौतहटक कतेको नगरपालिकामे भारतसँ आएल नकली चिकित्सकसभ अवैध आ असुरक्षित शल्यक्रिया क रहल छै, जाहिसँ एक गोट महिलाके जान गेल छै। एहन गैरकानूनी गतिविधि रोकबाक आ दोषीपर कानूनी कारबाही करबाक मांग कएलैन।

सांसद रुक्मिणी कोइराला संविधानमे सुनिश्चित मौलिक हकके प्रभावकारी कार्यान्वयन होएबाक मांग कएलैन।

सांसद विष्णु कुमारी सापकोटा सरकारसँ स्थानीय उत्पादनक प्रोत्साहन आ बजारीकरणपर धीयान देबाक आग्रह कएलैन। ओ विशेष रूपसँ गाँजाक वैधानिक उत्पादन, लोकल कोदोसँ बनाबैला रक्सीके ब्रान्डिङक आवश्यकतापर जोड़ देलैन।

सांसद विष्णुदेवी पुडासैनी कहलैन जे महालेखापरीक्षकक प्रतिवेदन अनुसार सबसँ बेसी बेरुजु स्थानीय तहमे देखाएल गेल अइछ, आ ओही समस्याक समाधान लेल सरकारक ध्यानाकर्षण कएलैन।

तहिना, सांसद श्रीकृष्णप्रसाद अधिकारी आ विष्णुबहादुर विश्वकर्मा भिजिट भिसा प्रकरण सहित विषयमे छानबीनक मांग करैत गृहमन्त्री रमेश लेखकसँ नैतिक आधारपर राजीनामे देबाक मांग कएलैन।

रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको