काठमांडू, १५ जेठ । सरकार हुलाकी राजमार्ग आ काठमांडू–तराई मधेश द्रुतमार्ग (फास्ट ट्र्याक) निर्माण लेल आगामी आर्थिक वर्ष २०८२÷८३ पर्याप्त बजेट विनियोजन कएलक अइछ ।
बृहस्पैत दिन संघीय संसद्मे बजट प्रस्तुत करैत अर्थमन्त्री विष्णुप्रसाद पौडेल हुलाकी राजमार्गक निर्माण लेल ३ अर्ब ५६ करोड टाका आ काठमांडू–तराई मधेश द्रुतमार्गक निर्माण लेल २४ अर्ब ४९ करोड टाका छुट्याओल गेल जानकारी देलक अइछ । बजेटक प्रतिबद्धता अनुसार हुलाकी राजमार्ग दू वर्षक भीतर पूरा करल जाएत । अइ मार्गस’ तराईक गाम–गाम, बजार–सहर आ जिल्ला सबमे आवागमन सहज होएत आ व्यापार, कृषिक पहुँच आ सेवामूलक सुविधा सब सुलभ बनत ।
तहिना, काठमांडूस’ तराईके छोट समयमे जोड़एबाला फास्ट ट्र्याक सन् २०८४ साल भितर बनि क’ तयार भ’ जाएत । अर्थमन्त्री पौडेलक कथन अनुसार “ई द्रुतमार्गक निर्माण कार्य २०८३÷८४ आर्थिक वर्षमे पूरा कएल जाएत ।“






