भारतीय राजदूतद्वारा रासस सेवा जानकारीक लेल अवलोकन


काठमाण्डू, १६ जेठ: नेपालमे कार्यरत भारतीय राजदूत नवीन श्रीवास्तव राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)द्वारा प्रदान कएल जा रहल सेवा सम्बन्धि जानकारीक लेल अवलोकन कएने अइछ।

राजदूत श्रीवास्तव राससद्वारा आयोजित ‘पर्वतीय पर्यटनः अपन शान, अपन पहिचान’ विषयक तस्बिर प्रदर्शनी, रासस मिडिया संग्रहालय तथा अन्य शाखासभक अवलोकन करैत रासस सेवाक जानकारी लेलक

हुनका राससके कार्यकारी अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा स्वागत कएलैन आ प्रदर्शनीमे राखल तस्बिरसभके संक्षिप्त व्याख्या करैत मिडिया संग्रहालय, समाचार संकलन शाखा, सम्पादन शाखा, समाचार बुलेटिन तथा राससक समाचार सेवाक बारेमे विस्तारसँ जानकारी देलैन।

राजदूत श्रीवास्तव मिडिया संग्रहालयमे राखल सामग्री आ उपकरणसभमे विशेष अभिरुचिपूर्व देखेलैन। ओ विश्वास व्यक्त कएलैन जे राससक फोटो प्रदर्शनी आन्तरिक आ बाह्य पर्यटन प्रवर्द्धन करबामे सहायक होएत।

श्रीवास्तव कहलैन, “राससमे पहिल बेर आइब क महत्वपूर्ण तस्बिर प्रदर्शनी आ राससक विविध सेवासभक जानकारी लेल पाइब बहुत खुशी भेलाैँ।”

उल्लेखनीय अइछ जे गणतन्त्र दिवस २०८२ क अवसरमे राससद्वारा केन्द्रीय कार्यालयमे इएह जेठ ११ गतेसँ फोटो प्रदर्शनीक आयोजन चइल रहल अइछ। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको