जनकपुरधाम, १८ जेठ । प्रधानमंत्री केपी शर्मा ओली जनकपुरधामसँ डिजिटल माध्यमद्वारा मधेश प्रदेशक ६४ टा निर्वाचन क्षेत्रमे ३२० किलोमिटर पक्की सडक बनेबाक शिलान्यास रइब दिन कएलक अइछ ।
‘एक निर्वाचन क्षेत्र, एकटा सडक – दोसर चरण’ योजना तहत १२ अर्ब ७० करोड खर्चमे तीन बरखक भीतर पूरा करबाक योजना अइछ । प्रधानमंत्री ओली कहलक जे मधेशमे शिक्षा, स्वास्थ्य, आ पूर्वाधार विकासमे गुणस्तरीयता जरूरी अइछ । ओ कहलक — “गाम–गाममे विद्यालय तऽ अइछ, मुदा परिणाम कमजोर अइछ से अपने दोष देखए पड़त ।”
ओ कहलनि जे — “त्रेतायुगमे जखन अक्षर नै छल, तखन एहिठाम शास्त्रार्थ होइत रहल, एहन ऐतिहासिक भूमि पर आइ शिक्षा सबसे कमजोर भ’ जेनाइँ से सोचबाक विषय अइछ ।” ओली कहलक जे देश आब विकासक रफ्तारमे अइछ — १० हजारसँ बेसी घर बनल अइछ, सडक चौड़ा भेल अइछ, जनकपुरसँ रेल चलए लागल अइछ, रेल सेवा बर्दिबास धइर ल जेबाक योजना अइछ, आ घाटामे नइँ जाए तइ लेल अपन जनशक्ति उत्पादन हेतु तालिम देब जरूरी अइछ ।
प्रधानमंत्री आली कहलक “मधेसक समृद्धि सिंचाईसँ सम्भव अइछ, कोशी नदी लगेम अइछ, ओकर पानी खेतमे ल गेल जाए, चुरे बचाएल जाए, बन–जंगल जोगाएल जाए त मधेश अपन पएर पर ठाढ़ होएत ।” सुनकोशी–मरिण डाइभर्सन योजना ठेकेदारक लापरवाहीसँ पछुआएल कहैत दोषी ठेकेदारके सम्झौता रद्द करैत नवका सम्झौता कइरके तेजीस’ काज आगू बढाएल जेबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएलक ।
सडक निर्माणक काज तीन बरखमे पूरा होएत से प्रतिवद्धता व्यक्त करैत सरकार एखनधइर ३२० मेसँ २०० किलोमिटर सडक बइन चुकल अइछ । गामक भितर उपयुक्त प्रविधिसँ आ गामक बाहर स्फाल्ट प्रविधिसँ पक्की सडक निर्माण कएल जाएत । सडकक चौड़ाई साढे पाँचसँ सात मिटर धइर होएत ।





