विद्युत् आ सिंचाई सुधार लेल विश्व बैंकसँ २५ करोड़ ७० लाख डलर कर्जा स्वीकृत


काठमाण्डू, १९ जेठः नेपालक दु टा परियोजनाक लेल विश्व बैंकद्वारा २५ करोड़ ७० लाख अमेरिकी डलर बराबरके कर्जा स्वीकृत कएल गेल अइछ।

विश्व बैंक आइ प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत बितलमे २९ तारीखक दिन भेल विश्व बैंक निर्देशक समितिक बैसारमे ई कर्जा स्वीकृत भेल जनाएल गेल अइछ। नेपालक विद्युत् वितरण प्रणाली आ सिंचाई सेवामे सुधार क कृषि उत्पादन बढेबाक उद्देश्यसँ ई कर्जा सुविधा प्रदान कएल गेल अइछ।

ई कर्जा अन्तर्गत विद्युत् आपूर्ति प्रणाली सुधार परियोजनाक लेल १२ करोड़ अमेरिकी डलर कर्जा लेल गेल अइछ। ओइ नगदसँ कोशी, बागमती, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक विद्युत् वितरण प्रणालीकेँ मजबूत आ विश्वसनीय बनाएल जाएत। नेपाल विद्युत् प्राधिकरणक मार्फत संचालन होएबला एहि परियोजनाक उद्देश्य सबस्टेसन निर्माण, वितरण संरचनाक स्तरोन्नति आ निगरानी लेल स्वचालित प्रणाली विकास करब अइछ।

ओहि तरहेँ, रानी जमरा कुलरिया सिंचाई आयोजनाक तेसर चरण (फेज–३) लेल १३ करोड़ ७० लाख अमेरिकी डलर कर्जा स्वीकृत कएल गेल अइछ। सुदूरपश्चिम प्रदेशक कैलाली जिलामे वर्षभैर सिंचाई सुविधा उपलब्ध कराएब आ कृषि उपज उत्पादन बढ़ेबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ। एहि परियोजनासँ अतिरिक्त १७ हजार ५०० हेक्टर जमीनमे वर्षभैर सिंचाई सुविधा पहुँचाएल जाएत आ करिब एक लाख ६० हजार लोक लाभान्वित होबाक, अनुमान कएल गेल अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय