पूर्वप्रधानमन्त्री सभापति देउवाद्वारा ‘मैथिली भवन’ उद्घाटन


जनकपुरधाम, २३ जेठः नेपाली कांग्रेस सभापति तथा पूर्वप्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा जनकपुरधाम धार्मिक आ सांस्कृतिक हिसाब महत्वपूर्ण रहल उल्लेख कएलैन अइछ ।

जनकपुरधाम–८ स्थित मैथिली विकास कोष निर्माण कएल नवनिर्मित मैथिली भवनके आइ एत उद्घाटन करैत ओ करैत जनकपुरधाम नेपाल–भारतबीचके सम्बन्ध बढ़ेबाक लेल सेहो एहिसँ भूमिका वृद्धि भेल कहलैन।

मधेश प्रदेशक भौतिक पूर्वाधार मन्त्रालयके सात करोड़ ५० लाख टकामे निर्माण भेल ओइ भवन पाँच कठ्ठामे पसरल अइछ । एकटा सभाहलसहित भवनमे ३० टा कोठली छै ।

ओहि अवसरमे मधेश प्रदेश सरकारक मुख्यमन्त्री सतिश  कुमार सिंह जनकपुर अपन सभ्यता तथा संस्कृतिसङ परापूर्वकालसँ संबंध रहल उल्लेख करैत एकरा धार्मिक पर्यटनसङ जोडबाक आवश्यक्ता रहल कहलैन । मधेश प्रदेशक भौतिक पूर्वाधार विकासमन्त्री सरोज यादव एहि संस्थाके उद्देश्य, पहिचान तथा गाैरव बढ़ेबाक लेलक लेल मन्त्रालय लगानी कएल बतौलैन ।

पूर्वमन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला वर्तमान संविधान नेपालके सब जातजाति तथा समूदायकेँ अपन धर्म तथा संस्कृतिके पहिचान तथा संरक्षणके अधिकार देने स्मरण कएलैन । नेपाली कांग्रेसक सहमहामन्त्री महेन्द्र यादव मिथिलाके गाैरव तथा महत्व बढ़ेबाक लेल सबके सहयोग आवश्यक भेल कहलैन ।

ओहि अवसरमे मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी, मधेश प्रदेशक पूर्वमन्त्री रामसरोज यादव तथा नेपाली कांग्रेस मधेश प्रदेश संसदीय दलक नेता कृष्णा यादवसहितके उपस्थिति छल । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय