काठमाण्डू, २७ जेठः मध्यम गतिके बलर नन्दन यादव स्कटल्याण्डमे सञ्चालन भ रहल एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेटमे नेपाली राष्ट्रिय टोलीसँ डेब्यू केलक अइछ ।
आइसिसी क्रिकेट विश्वकप लिग–२ अन्तर्गत नेदरल्यान्ड्विरुद्धके आजुक खेलमे यादव डेब्यू कएने अइछ । हनुका नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीक सहायक प्रशिक्षक ज्ञानेन्द्र मल्ल डेब्यू क्याप हस्तान्तरण कएने अइछ । एक दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय क्रिकेटमे नेपाली राष्ट्रिय क्रिकेट टोलीसँ डेब्यू करैबला ४२म् खेलाड़ी छैथ । जारी सिरिजमे अइसँ पहिनुकवा तीन खेलमे यादव खेलबाक मौका नै भेटल छल ।
तीव्र गतिके बलर सोमपाल कामी घायल भेलाक बाद ओ खेलबाक मौका भेटल अइछ । नेपाल क्रिकेट सङ्घ (क्यान) क प्रवक्ता छुम्बी लामाके अनुसार सोमपाल अभ्यासके क्रममे घायल भेल अइछ । अभ्यासके क्रममे हुनकासङे गुल्सन झा सेहो घायल भेल अइछ । सोमपालके दहिना हातमे तथा गुल्सनके घुट्ठीमे चोट लागल अइछ । रासस






