काठमाण्डू, ११ अखारः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री प्रदीप पौडेल थाइल्याण्डमे सक्रिय स्वास्थ्य नीति निर्माता, बौद्धिक आ मेडिकल अध्ययनरत विद्यार्थीसभसँ नेपालक स्वास्थ्य क्षेत्रमे थाइल्याण्डक अनुभवसँ सुधार करबाक लेल सुझाव सङ्कलन कएलक अइछ।
जनसङ्ख्या नीति सम्बन्धी संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय मन्त्रीस्तरीय बैसारमे सहभागी होबाक सिलसिलामे मन्त्री पौडेल बैङ्कक गेल आ ओतहि नेपाली राजदूतावासद्वारा आयोजित कार्यक्रममे ओहिठाम कार्यरत नेपालीसभसँ बातचित कएलक।
मन्त्री पौडेलक निजी सचिवालयक जनकारी अनुसार ओइ अवसरमे हुनका थाइल्याण्डक स्वास्थ्य सेवा प्रणाली, स्वास्थ्य शिक्षा आ स्वास्थ्य बिमा सम्बन्धी अनुभव विषयमे सुझाव प्राप्त भेल। दूनू देशक परिस्थिति बुझनिहार नेपालीसभसँ प्राप्त अनुभव भविष्यमे नेपाल लेल उपयोगी होबाक मन्त्री पौडेल विश्वास व्यक्त कएलैन।
मन्त्री पौडेल कहलैन, “हम एखन स्रोतमे सुधार क नागरिकके बेसी सेवा देबाक प्रयासमे छी, अहाँसभके अनुभव हमरा लेल उपयोगी भ सकैत छै।”
थाइल्याण्डमे नेपाली राजदूत धनप्रसाद ओली कहलैन “ओत नेपालीसभ चिकित्सा उच्च शिक्षा, चिकित्सा अभ्यास, नीति निर्माण सङे व्यवसायमे सेहो संलग्न छैथ, आ अनुभवक आदान–प्रदानसँ भविष्यमे आओर सम्भावना आ सहकार्यक मार्ग प्रशस्त हएत । ”
ओहि अन्तक्र्रियामे सहभागी एप निर्माणमे लागल स्वास्थ्य सेवा प्रदायक नेपालीसभ अपन सेवाके स्वदेशमे विस्तार करबाक इच्छाव्यक्त कएलैन। स्वास्थ्य बिमा विशेषज्ञसभ थाइल्याण्डक अभ्यास विषयमे मन्त्री पौडेलके जानकारी देलैन।
मन्त्री पौडेल संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय मन्त्रीस्तरीय बैसारमे नेपालक प्रतिनिधित्व करत। रासस





