काठमाण्डू, १४ अखार : आइ तत्कालीन नेकपा (एमाले)क महासचिव मदन भण्डारीके ७४म् जन्मजयन्ती विविध कार्यक्रम क मनाएल जा रहल अइछ ।
एमाले आ मदन भण्डारी फाउण्डेशन आइ विविध कार्यक्रम क जननेता भण्डारीके जन्मजयन्ती मनेबाक सुरू कएने छल । एमाले सम्पर्क समन्वय कमिटी आइ जयन्तीके अवसरमे पदयात्रा कएलक अइछ । कमिटीके आयोजनमे आइ ७ः३० बजेसँ ८ः३० बजेधैर त्रिपुरेश्वरसँ दशरथरङ्गशालासँ तीनकुनेधैर पदयात्रा कएल गेल कमिटीक सचिव आरसी लामिछाने जानकारी देलैन । पदयात्रामे पार्टी महासचिव शङ्कर पोखरेल, स्थायी कमिटी सदस्य लालबाबु पण्डित सहभागी छलैथ ।
एहिने आइ दिवस फाउण्डेशनक आयोजनामे राष्ट्रियसभा गृहमे ‘जबजका तीन दशक’ विषयक अन्तक्र्रिया कार्यक्रम राखल अइछ । अन्तक्र्रिया कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री एवम् पार्टी अध्यक्ष केपी शर्मा ओली आ पूर्वराष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी सहभागी होएत ।
एमाले मदन भण्डारी प्रतिपादन कएल जनताके बहुदलीय जनवाद (जबज)केँ पार्टीके सिद्धान्त बनाएल गेल अइछ । एमाले पाँचम राष्ट्रिय महाधिवेशनवाट जबजकेँ नेपाली क्रान्तिके मौलिक कार्यक्रमक रूपमे पारित करैत सिद्धान्त बनाएल गेल छल ।
मदन भण्डारी २०४६ सालमे भेल नेकपा (माले)के चारिम महाधिवशेन आ २०४७ सालमे नेकपा (माले) आ नेकपा (माक्र्सवादी) बीच एकता भ नेकपा (एमाले) सेहो महासचिव बनल छलैथ । एहिने एमालेके २०४९ सालमे भेल पाँचम महाधिवेशनसँ सेहो ओ महासचिवमे चनय भेल। मदन भण्डारी २०४८ सालक संसदीय निर्वाचनमे काठमाण्डू क्षेत्र नं १सँ निर्वाचित भेल छल ।
वि.सं. २००९ अखार १४ गते ताप्लेजुङ जिलाके ढुङ्गेसाँघुमे माए चन्द्रकला आ बाबु देवी प्रसादके मझिला सन्तानक रूपमे जन्मलेनिहार भण्डारी २०५० जेठ ३ गते चितवनके दासढुंगामे जीप दुर्घटनामे निधन भेल छल । रासस






