सिरहा, ३० अखार : सिरहाके लहानस्थित राम कुमार उमाप्रसाद स्मारक प्रादेशिक अस्पताल अपन नाममे जमीन नै भेलासँ समस्या भोइग रहल अइछ । अस्पताल सञ्चालनक लेल करिब ५० साल पहिने दातासँ प्राप्त भेल एक बिघा १५ कट्ठा जमीन एखनो अस्पतालके नाममे रजिस्ट्रेसन नै भेलासँ सङ्घीय आ प्रदेश सरकारसँ आएल बजेट फिर्ता भ रहल अइछ ।
अस्पतालक प्रमुख डा रञ्जित कुमार झाक अनुसार मुरारका आ सारडा परिवार ओ जमीन दान आ अस्पतालके निर्माण सेहो करा देने छलैथ, मुदा जमीन एखनधैर सरकारक नाममे दर्ता नै भेलासँ अस्पतालके भौतिक पूर्वाधार विकासमे अवरोध भ रहल अइछ ।
“जमीन रजिस्ट्रेसन नै भेलासँ सङ्घीय आ प्रदेश सरकारसँ प्राप्त बजेट फिर्ता भ रहल छै, जाहि कारण आवश्यक भौतिक पूर्वाधार निर्माण नै भ सकल अइछ । अइसँ अस्पतालके सेवा आ विस्तार दुनु प्रभावित भेल अइछ”,अस्पतालक प्रमुख झा कहलैथ।
दाता परिवारक मुरारीलाल मुरारकाद्वारा दान कएल गेल ओइ जमीनकेँ चाइर करोड़सँ बेसी राजस्व मिनाहा करबाक लेल प्रदेश सरकारसङे आग्रह कएलाक बाद पत्राचार कएलोपर सङ्घीय सरकारमे पहल नै भेल शिकायत कएलैन । ओ कहलैथ,“हमरासभकेँ नाफा नै चाही जनस्वास्थ्यके हितमे अरबौँके जमीन अस्पतालक लेल दान देने छैथ । मुदा, एखन प्रशासनिक झन्झटके कारण से योगदान भोथियाएल अइछ । अइसँ हमरासभ दाताके भावनामे चोट पहुँचल महसूस क रहल छी ।”
ओ दू वर्षसँ सरकारी निकाय पत्राचारेमे झाैल लगा रहल कहैत आगू कहलैथ,“राजस्व मिनाहा करबाक लेल लेल प्रदेश सरकार पहल कएलोपर सङ्घीय सरकार देरी क रहल छै । सरकार दाताकेँ सहयोग नै करत, उन्टे दिक्कत देत तँ समाजसेवा कोना करत ?”
मधेश प्रदेशक स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री शत्रुधनप्रसाद सिंहके अनुसार प्रदेश सरकार राजस्व मिनाहा करबाक लेल सिफारिस कएलोपर सङ्घीय सरकारसँ निर्णय नै आएलाक कारण रजिस्ट्रेसन प्रक्रिया भोथियाएल छै । ओ कहलैथ,“लहानस्थित प्रादेशिक अस्पताल प्रदेशेके मुख्य स्वास्थ्य संस्था छी ।, लेकिन सङ्घीय सरकारक अर्थ मन्त्रालयमे प्रक्रिया रुकल छै । ताहि ठाँमसँ सहमति आएलासँ रजिस्ट्रेसन नै भ सकल अइछ ।”
मधेश प्रदेशसभा सदस्य राजेन्द्रप्रसाद चौधरी निःशुल्कमे अस्पताल निर्माणके लेल अरबौंके जमीन एखनो कागजी प्रक्रियामे अटकब दुर्भाग्यपूर्ण भेल आ ई समस्याके समाधानक लेल सब राजनीतिक दल, जनप्रतिनिधि, नागरिक समाज मिल क सरकारपर दबाब सिर्जना करबाक चाही से कहलैन। रासस





