राैदीसँ सुइख गेल कलके पाइन, टैंकरसँ राहत


सिरहा, ४ साओन: लहान नगरपालिका-१ आ २ के मटियर्वा आ मिलन चाैक क्षेत्रक मुसहर बस्तीमे राैदीके कारण पीयैबला पइनके संकट बढ़ैत जा रहल अइछ। पाइनके सतह घटैत गेलाक कारण चापाकल सब सुखाए लागल अइछ, जइ कारणेँ दर्जनो परिवार पीयैबला पइनके अभाव झेल रहल अइछ।

पीयैबला पाइनके समस्या समाधान करबाक लेल युवासभके सक्रियतामे डिभिजन वन कार्यालय, लहानसँ समन्वय क टैंकर मार्फत पाइन बाँटल गेल अइछ। शुक्रदिन आ शैनदिन, दू दिनमे लगभग १० हजार लिटर पाइन बस्तीमे पहुँचाएल गेल जानकारी स्थानीय युवा ओमप्रकाश यादव देलैन।

ओ कहलैन, “स्थानीय मुशहर बस्तीक लोकसभक पाइनके अभावमे जिनगी कष्टकर छलै। सरकारी योजनाके मुह ताकैसँ नीक हमरासभकेँ अपने दिससँ पहल करनाइ जरूरी लागल, ताहि लेल टैंकरके व्यवस्था कएलाैँ।” हुनकर कहब अइछ जे आइयो बस्तीमे टैंकरसँ पीयैबला पाइन बाँटल जाएत।

डिभिजन वन कार्यालयके सूचना अधिकारी राधेश्याम चौधरीक अनुसार, विभागसङ पाइन बाँटै लेल अलगसँ कोनो बजेट नै रहलाक कारण युवासभके सक्रियतासँ तत्काल राहत स्वरूप पाइन पहुँचाएल गेल अइछ। ओ कहलैन, “हमराके एहन राहतक लेल अलगसँ बजेट नै अइछ, मुदा युवासभके पहल आ स्थानीय आवश्यकताक आधारपर विपन्न दलित बस्तीमे पाइन पहुँचाएल गेल अइछ। आवश्यकता पड़लापर आन क्षेत्रमे सेहो बाँटल जाएत।”

स्थानीय राजनीतिकर्मी बालेश्वर यादव कहलैन जे बस्तीक बेसी चापाकल सुइख गेलाक कारण समस्या बढ़ैत जा रहल अइछ। “टैंकर तत्काल राहत तँ देलकै, मुदा दीर्घकालीन समाधान बिना ई समस्या फेरो दोहराबैत रहत,” ओ कहलैन।

स्थानीय युवा चन्द्रु यादव कहलैन, “ई समस्या मात्रे आइ-काइलके नै छियै। जमीनक नीचाँके पाइनक बेसी उपयोग, चुरेक विनाश आ जलवायु परिवर्तनक असर छै। ई पहलसँ हमरासभकेँ तत्काल राहत तँ देलकै, मुदा एकर दीर्घकालीन समाधानक लेल स्थानीय, प्रदेश आ संघीय सरकार, तीनूके समन्वय जरूरी अइछ।” तीनू तहके सरकारकेँ पीयैबला पइनके समस्या समाधान करबाक लेल दीर्घकालीन योजना बना क लागू करबाक चाही, से बातपर ओ जोड़ देलैन। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको