तीव्र गतिमे सवारी चलेलासँ दुर्घटना बेसी


काठमाण्डू, ७ साओनः सबसँ बेसी दुर्घटना तीव्र गतिमे सवारी चलेलासँ भेल नेपाल प्रहरीके पछिला विश्लेषणमे देखल गेल अइछ। पछिला एक महिनाके सवारी दुर्घटनाके अवस्था अध्ययन कएलापर तीव्र गतिके कारण बेसी दुर्घटना भ रहल नेपाल प्रहरीक केन्द्रीय प्रवक्ता एवम् प्रहरी नायब महानिरीक्षक विनोद घिमिरे बतौलैन ।

बितल महिनामे दू हजार ९२२ सवारी दुर्घटना भेल ताहिमे एक हजार ४५० दुर्घटना तीव्र गतिक कारण भेल बतौलैन । तकरबाद मापसे, रस्ता पार करैत काल, ‘ओभटेक’ करैत काल, लेन बहार गेलापर सेहो दुर्घटना भेल प्रहरी जनौलक अइछ ।

“दुर्घटनामे अधिकांश मोटरसाइकल छै । जाहिसँ मोटरसाइकल यात्रा जोखिमयुक्त भेल से देखल गेल छै, तँए तीव्र गतिमे मोटरसाइकल बिल्कुले नै चलेबाक चाही”, प्रवक्ता घिमिरे कहलैन ।

नेपाल प्रहरीक अनुसार बितल अखारमे भेल दुर्घटनामे ५६ दशमलव ५७ प्रतिशत मोटरसाइकल दुर्घटनामे पड़ल अइछ । केन्द्रीय प्रवक्ता घिमिरे उक्त दुर्घटनामे कुल चाइर हजार ४२८ गाडीमध्ये दू हजार ५०५ टा मोटरसाइकल रहल जानकारी देलैन।

तकर बाद जिप/कार दुर्घटना १७ दशमलव २३ प्रतिशत छै । ट्रक, ट्याङ्कर छ दशमलव ४६ प्रतिशत आ बस चाइर दशमलव ४३ प्रतिशत दुर्घटनामे पड़ल अइछ । कुल दू हजार ९२२ टा दुर्घटनामे उक्त सवारीसाधन संलग्न रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।

दुर्घटनामे एक महिनाेमे २३९ व्यक्तिके मृत्यु भेल अइछ । प्रवक्ता घिमिरेक अनुसार १८६ पुरुष, ३६ महिला आ १७ गोटे धीयापूता दुर्घटनामे मृत्यु भेल अइछ । उक्त दुर्घटनामे ६२५ गोटे घायल भेल ओ जानकारी देलैन । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको