राजविराज (सप्तरी), ८ साओन: दैनिक रूपसँ बेकार भ रहल विभिन्न गाछ-वृक्षक पातसभकेँ संकलन क प्राङ्गारिक मल उत्पादनमे प्रयोग करए लागल अइछ। जिलाक सप्तकोसी नगरपालिका-१ स्थित फत्तेपुरमे गाछसँ खसल सुखल पात आ जङ्गलके झार-झुड़ बला गाछके हरियर पातकेँ सड़ा क प्राङ्गारिक मल उत्पादन करए लागल गेल अइछ।
रक्तमाला नमुना सामुदायिक वन उपभोक्ता समितिक अध्यक्ष इन्द्रप्रसाद लुइँटेल उत्पादित मल किसानसभकेँ निःशुल्क वितरण करबाक योजना रहल बतौलैन। ओ, वनमे रहल बेकार पात-पतिंगरकँ जमा क मल उत्पादन करबाक, विभिन्न जडीबुटीक गाछ लगाएब, पार्ककेँ आन्तरिक तथा बाह्य पर्यटकक लेल अनुसन्धान केन्द्रक रूपमे विकास क वन संरक्षण, स्वच्छ वातावरण आ आयआर्जनसँ जोड़बाक उद्देश्यसँ काज क रहल जानकारी देलैन।
जिला वन आ सामुदायिक वनक सहकार्यमे जडीबुटी तथा फलफूलक गाछी लगेबाक, विभिन्न प्रजातिक गाछी उत्पादन आ वितरण, कम्पोस्ट मल उत्पादन सहित काज भ रहल छै, अध्यक्ष लुइँटेल बतौलैन। सप्तकोसी-१ स्थित फत्तेपुरमे रक्तमाला नमुना सामुदायिक वन उपभोक्ता समिति आ जिला वन कार्यालयक संयुक्त साझेदारीमे जैविक तथा शहिद पार्क निर्माणस्थल बनाएल गेल ओ जानकारी देलैन।
वन संरक्षण तथा पर्यावरण सुरक्षा सम्बन्धी जानकारी दैत अध्यक्ष लुइँटेल कहलैन, “नमुनाकेँ लेल अइ बेर १० हजार किलो सुखल आ १० हजार किलो हरियर पात मिला क २० हजार किलो प्राङ्गारिक मल उत्पादन करबाक योजना अइछ। जैविक तथा हरित पार्कसँ वार्षिक २२ लाख टकाके आम्दानी करबाक लक्ष्य राइख हमरासभ काज क रहल छियै।” हुनकर कहब अनुसार, अइ ठाम ३४७.५ हेक्टर क्षेत्रफलमे पार्क निर्माण, ट्रीहाउस निर्माण, पोखैर निर्माण, गोलघर निर्माण, वृक्षरोपण सहित कार्य कएल गेल अइछ।
जिला वन कार्यालय अपन मातहतक सब डिभिजन कार्यालयमे नर्सरी लगा क लाखौँ गाछी उत्पादन क समुदाय स्तरपर वितरण करैत आइब रहल जिला स्थित डिभिजन वन कार्यालयक डिभिजनल वन अधिकृत सुभाषचन्द्र दास बतौलैन। हुनकर कहब अनुसार, खैर, अमला, लताम, सिसौ, अर्जुन, टिक मसला, मलेसियन सखुवा, तेजपत्ता, आम, लीची, मुनगा सहित विभिन्न प्रजातिक गाछी उत्पादन भ रहल अइछ।
सप्तरीमे कुल २१ हजार एक सओ ३६ हेक्टर वनक्षेत्र रहल, जइमे एक सओ ३७ सामुदायिक वन आ छ टा सब डिभिजन वन कार्यालय रहल जनबैत, दास सब सरोकारबला निकायसभक सहकार्य आ समन्वयमे वन संरक्षणक लेल योजनाबद्ध काज करए लागल बतौलैन।
डिभिजनल वन अधिकृत दासक अनुसार, जिलामे जल क्षेत्र ३,१४३.९२, वन क्षेत्र २१,१३६, घाँसक मैदान १,४९३.३६, सिमसार ३,९८१.८७, कृषि क्षेत्र ६७,६७५.६१, झार-पात क्षेत्र १२,६३५.८६, बस्ती क्षेत्र १२,७६६.१ आ परती क्षेत्र ५,२६७.३८ हेक्टर रहल अइछ।
जिलामे भेटैबला मुख्य काठजन्य प्रजाति साल, अस्ना, सिसौ, खयर, सिमर, हर्रो, बर्रो, जामुन तथा छोटका गाछीमे निगुर, बेत, बोझो, भ्याकुर, दतिवन, अम्रिसो, राजवृक्ष, सिन्दुरे, थाकल, कुटमिरा, सिमसाग, लुँडे, बयर, अमला, कुरिलो, बाँस सहित रहल से ओ जानकारी देलैन। रासस





