सुख्खाक चपेटामे पड़ल किसानकेँ राहत घोषणा करै लेल माँग


काठमाण्डू, ११ साओन: राष्ट्रियसभाक आजुक बैसारमे सदस्यसभ तराई-मधेशक क्षेत्रमे सुख्खाक कारण प्रभावित किसानक समस्या समाधान करबाक लेल तथा समयपर मल-बीजके सहज आपूर्ति व्यवस्था मिलेबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौने छैथ।

बैसारमे सांसदसभ प्रभावित किसानकेँ तत्काल राहत प्याकेज घोषणा करबाक लेल आ प्राकृतिक विपत्तिसँ होएबला क्षतिकेँ कम करबाक लेल विपद् उत्थानशील पूर्वाधार निर्माण करए लेल आग्रह केलैन।

नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी केन्द्र)क सांसद झक्कुप्रसाद सुवेदी तराई-मधेशमे पियैबला पाइन तथा सिंचाइक संकट भोइग रहल नागरिककेँ तत्काल राहत देबाक लेल आग्रह केलैन। “कठिनाइमे पड़ल नागरिककेँ सहायता करए लेल कागजी घोषणासँ सरकार नै बैच सकै छै, सरकारकेँ ठोस राहत प्याकेजक व्यवस्था करए पड़त”, ओ कहलैन, “पछिला एक सालमे सरकार जनताक आवश्यकता सम्बोधन नै क सकल, आर्थिक समृद्धि, अर्थतन्त्रक सुधार, रोजगारी, स्वास्थ्य सेवा प्रवाहमे सरकार जोड़ देबए पड़त।” रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय