जनकपुरमे रेल आ कार आपसमे ठोकाएल


महेन्द्रनगर (धनुषा), २५ साओनः जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका-९ ब्रह्मपुरीस्थित थापा चाैक लग आइ भोरमे रेल आ एकटा कार एक-दोसरमे ठोकर देलाक बाद दुर्घटना भेल अइछ।

बागमती प्रदेश ०१-०२५ च १२९० नम्बरक कार भोर ८:३० बजे महोत्तरीक पिपराढी स्टेशनसँ जनकपुरधामदिस आइब रहल नेपाल रेल्वेक रेलमे ठोकर लागल अइछ। दुर्घटना रेलमार्ग ‘क्रसिङ एरिया’मे भेल, जिला प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता बरुणबहादुर सिंह जानकारी देलैन।

स्थानीय प्रत्यक्षदर्शीसभक अनुसार, रेल जखन कारकेँ ठोकर मारलक तँ जोरक आवाज आएल छलै। कारमे तीन गोटे सवार छल। हुनकासभकेँ सामान्य चोट लागल, मुदा कारमे भारी क्षति भेल अइछ।

दुर्घटनाक बाद किछु समय रेल सेवा अवरुद्ध भेल छल आ ओइ सम्बन्धमे आगु अनुसन्धान भ रहल प्रहरी प्रवक्ता सिंह जानकारी देलैन। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको