युवा मैत्री लगानी प्रवर्द्धनक नीति तैयार कएल जा रहल छै: खेलकुदमन्त्री चौधरी


काठमाण्डू, २७ साओनः युवा तथा खेलकुदमन्त्री तेजुलाल चौधरी सरकार युवामैत्री लगानीक वातावरण, नवप्रवर्तन आ उद्यमशीलताकेँ प्रवर्द्धन करैबला नीति एवम् कानूनी संरचना तैयार क रहल बताैलैन अइछ ।

आइ अन्तर्राष्ट्रीय युवा दिवसक अवसरमे एत आयोजित कार्यक्रममे ओ कहलैन जे सरकार युवाक नेतृत्व विकास आ सीप अभिवृद्धि क रोजगारी सृजनाकेँ उच्च प्राथमिकतामे राखने छै। मन्त्री चौधरी सातु प्रदेश आ स्थानीय तहमे युवा सशक्तिकरण, सीप आ तालिमक माध्यमसँ रोजगारी सृजना करबाक लेल निर्देशन देलैन।

परिषद्क अध्यक्ष सेहो रहल मन्त्री चौधरी अइ सप्ताहभितरे युवा नीति सार्वजनिक करबाक जानकारी देलैन। “कुल जनसङ्ख्याक लगभग ४२ प्रतिशत हिस्सा राखने युवासभ साहस, प्रतिबद्धता आ नवप्रवर्तनप्रति रुचि देखौने छैथ”, ओ कहलैन, “युवाजनशक्तिक सहभागितामे बड्का परिवर्तनके हमसभ अनुभव कएने छी।”

ओइ कार्यक्रममे नेपालस्थित संयुक्त राष्ट्र सङ्घक आवासीय संयोजक हाना सिङ्गर ह्याम्डी कहलैन जे युवा दिवस केवल उत्साह मात्र नै, बल्कि सहकार्य आ प्रतिबद्धताक अवसर सेहो छी। राष्ट्रिय युवा परिषद्क उपाध्यक्ष सुरेन्द्र बस्नेत युवा भविष्यक कर्णधार सङे वर्तमानक साझेदार भेल विषयमे सेहो चर्चा केलैन।

संयुक्त राष्ट्र सङ्घ सन् १९९९सँ हरेक वर्षक १२ अगस्तकेँ अन्तर्राष्ट्रीय युवा दिवसक रूपमे मनएबाक निर्णय कएने छल। नेपाल अइ वर्ष ‘दीर्घकालिन विकास आ सुनौलो भविष्यक सारः स्थानीय युवाक सहभागिता समृद्धिक आधार’ नाराक सङ ई दिवस मना रहल अइछ। राष्ट्रिय युवा परिषद् ओइ कार्यक्रमक आयोजन कएने छल। रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको