मधेश प्रदेश लोक सेवा आयोगक दोहराैवा नीतिक कारणँ बढुवामे समस्या


जनकपुरधाम, २९ साओनः मधेश प्रदेश लोक सेवा आयोगक दोहराैवा नीतिक कारण मधेश प्रदेश अन्तर्गतक १०म् तहके कर्मचारीक बढुवामे समस्या देखल गेल अइछ ।

सङ्घसँ प्रदेशमे आएल कर्मचारीकेँ बढुवाक लेल सेवाकालीन तालिमक आवश्यकता नै रहल मधेश प्रदेश निजामती ऐन २०७७ क दफा नं १२५मे उल्लेख अइछ । ओइ ऐनमे सङ्घसँ समायोजन भ क आएल कर्मचारीकेँ सङ्घीय सरकारद्वारा देल गेल सेवा सुविधा सरह प्रदेश सरकारद्वारा देल जेबाक बात कहल गेल अइछ । सङ्घीय निजामती सेवा ऐनमे सेहो स्वास्थ्य दिसक कर्मचारीकेँ बढुवाक लेल सेवाकालीन तालिमक आवश्यकता नै रहल उल्लेख अइछ । मुदा, मधेश प्रदेश लोक सेवा आयोग समायोजनसँ आएल कर्मचारीकेँ सेवाकालीन तालिम नै भेलाधैर बढुवा नै होएबाक प्रावधान रखलासँ बढुवा अवधि पूरा भेल १०म् तहक कर्मचारी समस्यामे पड़ल छैथ ।

ओइ समस्यासँ पीड़ित वरिष्ठ स्वास्थ्य प्रशासक नवलकिशोर झा, सङ्घसँ आएल कर्मचारीकेँ सेवाकालीन तालिमक आवश्यकता नै रहल मधेशक निजामती सेवा ऐनमे उल्लेख भेलाक बादो सेवाकालीन तालिमक विषय राइख क बढुवापर रोक लगेनाइ न्यायोचित नै भेलाक शिकायत केलैन ।

अइ विषयमे ओ प्रदेश लोक सेवा आयोगमे उजुरी सेहो दर्ता करा क ओइ विषयकेँ हटेबाक तथा बढुवाक प्रक्रिया आगाँ बढेबाक माँग रहल जानकारी देलैन ।

अइसँ पहिने मधेश प्रदेश लोक सेवा आयोगद्वारा समायोजनसँ आएल सेवाकालीन तालिम नै मिलल छठमसँ ११म् तहधैरक २०सँ बेसी कर्मचारीक बढुवा सेहो कएल गेल छल ।

उच्च अदालत जनकपुर सेहो प्रदेशमे समायोजन भ क आएल कर्मचारीकेँ सेवाकालीन तालिमक आवश्यकता नै रहलाक कारणँ प्रदेशक कर्मचारीद्वारा ओइ अदालतमे कएल गेल निवेदनक आधारपर बढुवा करबाक फैसला कएल गेल नजिर रहल वरिष्ठ स्वास्थ्य प्रशासक झाक कहब छैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय