राष्ट्रियसभा बैसारः ‘कृषककेँ समयमे मल उपलब्ध कराउ’


काठमान्डु, ३० साओनः राष्ट्रियसभाक शून्य समयमे सांसदसभ किसानकेँ तत्काल मल उपलब्ध करेबाक लेल तथा जेष्ठ नागरिककेँ सहज रूपसँ भत्ता भेटबाक चाही से माँग कएने छैथ ।

बैसारमे सांसद गोपीबहादुर सार्की अछामी कहलैन जे प्रतिवर्ष १५ लाख मेट्रिक टन मल आवश्यक भेलाक बादो तीन लाख मेट्रिक टन मात्र उपलब्ध भ रहल छै आ पाँच लाख मेट्रिक टन मल अवैध रूपसँ आइब रहल छै, अइ विषयमे गम्भीर होबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण करौलैन।

सांसद सुमित्रा विसी कहलैन जे बर्खा समाप्त भ रहल छै, तइयो रोपनी पूरा नै भेल छै आ प्रतिकिसान २५ किलो मल देबाक बात भेलाक बादो नै भेटल। अइ समस्याक स्थायी समाधानक लेल ओ सरकारसँ माँग केलैन ।

सांसद तुलसा कुमारी दाहाल मधेश प्रदेशमे अखनो कायम रहल दहेज प्रथा आ बाल विआह हटेबाक आवश्यकतापर जोड़ देलैन ।

सांसद मायाप्रसाद शर्मा जेष्ठ नागरिकसभ जाहि ठामपर रहैत छैथ, ओइ ठामसँ भत्ता लेबाक वातावरण बनेबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन।

सांसद शारदादेवी भट्ट कैलाली कारागारमे भेल घटनाप्रति खेद व्यक्त करैत कहलैन जे १४० गोटेक क्षमता भेल स्थानमे चाइर/पाँच सओ गोटेकेँ राखलासँ एहन अवस्था एलै, ताहि लेल देशभैरमे सब जेलक स्तरोन्नति करबाक लेल सरकारक ध्यानाकर्षण करौलैन। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय