काठमाण्डू, ९ भादबः नेपाल राष्ट्र बैंक उच्च शिक्षाके लेल बहुत टका देशसँ बाहर भेल जनौलक अइछ ।
राष्ट्र बैङ्क सार्वजनिक कएने बितल आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के विवरणअनुसार शिक्षाके लेल मात्रे एक खरब ३८ अरब ४८ करोड़ टका देशसँ बाहर गेल अइछ । अइसँ पहिनेके आर्थिक वर्षमे शिक्षाके लेल एक खरब २५ अरब १३ करोड़ टका बाहर गेल छल ।
केन्द्रीय बैङ्कके अनुसार सेवा खाताअन्तर्गत भ्रमण व्यय १८.१ प्रतिशतसँ वृद्धि भ क दू खरब २३ अरब ७२ करोड़ टका पहुँचल अइछ । ओइसँ पहिनेके आर्थिक वर्षमे भ्रमण व्यय एक खरब ८९ अरब ४३ करोड़ टका रहए ।
आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे खुद सेवा आय ९० अरब ९४करोड़ टकासँ घाटामे छै । ओइसँ पहिनेके आर्थिक वर्षमे सेवा आय ५५ अरब ८६ करोड़ टका घाटामे छल ।
सेवा खाताअन्तर्गत समिक्षा वर्षमे भ्रमण आयत ७.७ प्रतिशतसँ वृद्धि भ क ८८ अरब ६६ करोड़ पहुँचल छै । ओइसँ पहिने ई आय ८२ अरब ३३ करोड़ टका रहए । रासस






