काठमाण्डू, ९ भादबः जनस्वास्थ्य क्षेत्रमे एकटा ऐतिहासिक उपलब्धी हासिल करैत नेपाल आधिकारिक रूपमे रुबेला–मुक्त देश घोषित भेल अइछ । आइ स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय आयोजना कएने पत्रकार सम्मेलनमे विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन तथा संयुक्त राष्ट्रसङ्घ बाल कोष (युनिसेफ) के प्रतिनिधिसभ स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री प्रदीप पौडेलकेँ रुबेला निवारणके प्रमाणपत्र हस्तान्तरण केलैन ।
अइ सङे रुबेला निवारण करबाक लेल विश्व स्वास्थ्य सङ्गठनक दक्षिण पूर्वी एसिया क्षेत्रमे नेपाल ६ म राष्ट्र बनल अइछ । विश्व स्वास्थ्य सङ्गठन २०८२ साल भादब २ गते नेपाल रुबेला रोग निवारण करबाक लेल सफल भेल बतौने छल ।
मन्त्री पौडेल, ई घोषणा सम्पूर्ण नेपालीके लेल गौरवके विषय भेल बतौलैन । अइ उपलब्धीकेँ दीर्घकालीन बनेबाक आ नेपालक बालबालिकाके स्वस्थ भविष्य सुनिश्चित करबाक लेल अन्य खोप–रोकथाम योग्य रोगसभ उन्मूलनदिस काज करै लेल आह्वान केलैन ।
ओ कहलैन, “ई हमरासभक स्वास्थ्यकर्मी, महिला सामुदायिक स्वास्थ्य स्वयंसेविका आ आम नागरिकके सक्रिय सहभागिताके अटुट समर्पणके परिणाम छै । नेपाल अइ उपलब्धीके हासिल करैबला दक्षिण–पूर्वी एसिया क्षेत्रके ६ म देश बनल छैै ।”
स्वास्थ्य मन्त्रालयके सचिव डा. विकास देवकोटा नेपाल सन् २०२५ मे रुबेला उन्मूलन क एकटा महत्त्वपूर्ण उपलब्धी हासिल कएने अइछ, आब दादुरा उन्मूलन करबाक लक्ष्य रहल बतौलैन । “दादुरा जल्दिए फैलैत छै । जँ अपनासभ एकर निगरानी प्रणालीकेँ मजबुत बना सकब तँ एकर उन्मूलन भ सकैत छै, ओएह प्रणाली अन्य रोगसभके नियन्त्रणक लेल सेहो उदाहरणीय बनत”, ओ कहलैन ।
परिवार कल्याण महाशाखाके निर्देशक डा. विवेककुमार लाल दशकौँके मेहनतके बाद ई सफलता प्राप्त भेल विषयमे विस्तृत जानकारी देलैन । ई घोषणा नेपालक राष्ट्रिय खोप कार्यक्रमक लेल एकटा महत्त्वपूर्ण उपलब्धी रहल कहैत खोप कार्यक्रम सरकारक उच्च प्राथमिकतामे रहल ओ बतौलैन ।
नेपालक लेल विश्व स्वास्थ्य सङ्गठनक प्रतिनिधि डा. राजेश सम्भाजीराव पाण्डव नेपाल सरकार आ साझेदारसभकेँ बधाई दैत ई नेपालक लेल गौरवके क्षण आ क्षेत्रीय तथा विश्वव्यापी स्वास्थ्यमे एकटा महत्त्वपूर्ण योगदान भेल बतौलैन । सफलता निरन्तर उच्च खोप, बढ़िया निगरानी प्रणाली आ प्रकोपक द्रुत प्रतिकार्यसँ ई सम्भव भेल हुनक कहब छैन । रासस





