बिपी राजमार्ग मर्मत भ रहल


काभ्रेपलाञ्चोक, १७ भादबः बिपी राजमार्ग पावैन तिहारक समयमे अवरुद्ध नै होबाक लेल मर्मत कएल जा रहल अइछ । राजमार्गके क्षतिग्रस्त सड़क दू हप्ताभीतर फेरसँ मर्मतके काज सम्पन्न हएत से भक्तपुर डिभिजन सड़क कार्यालय जनौने अइछ । करिब एक वर्ष पहिने आएल बाइढ़ आ भुस्खलनसँ दहाएल रस्ताके अस्थायी रुपसँ राजमार्ग निर्माण होइत आएल कार्यालय प्रमुख सिनियर डिभिजनल इञ्जिनियर सुमन योगेश जानकारी देलैन अइछ ।

बाइढ़ आ भुस्खलनके बाद आओर बेसी उचाइँमे अस्थायी फिलिङ कएल गेल सड़क अइ बेरक वर्षामे क्षति नै होए तइ लेल सतर्कता अपनाओल गेल अइछ । जइमे ‘इक्युपमेन्ट’ आ संरचना निर्माण कएल गेल कार्यालय जनौने अइछ । बाइढ़सँ काभ्रेपलाञ्चोकदिसके चौकीडाँडा, कटुञ्जेबेँसी, मङ्गलटार आ माम्तीमे क्षति रोकबाक लेल ग्यावियन जालीके देबाल बनाएल गेल अइछ तँ सड़क अवरुद्ध भेलाक बाद बोल्डरके तैयारी अवस्थामे राखल गेल अइछ । वर्षाके समयमे बाइढ़ आ भुस्खलनके कारण राजमार्ग अवरुद्ध भेलापर तत्काल ओकरा संचालन करबाक लेल सड़क पुनर्निर्माणके ठिक्का लागल कार्यालय जनौने अइछ । तहिना सड़कमे निर्माण व्यवसायीके १५–१५ टा मसिनक सङे डोजर, टिपर, लोडरलगायत सातटा गाडीसभ तैयारी अवस्थामे रहल कार्यालय प्रमुख सिनियर डिभिजनल इञ्जिनियर योगेश बतौलैन ।

वि.सं. २०८१ आसिनके बाइढ़ आ भस्खलनसँ बिपी राजमार्गअन्तर्गत २९ किलोमिटर सड़ककेँ चाइरटा विभिन्न स्थानमे पुनर्निर्माणके प्रक्रिया आगु बढ़ल अइछ । बाइढ़ आ भुस्खलनसँ आठ किलोमिटर सड़क पुरे दहाएल छल । क्षतिग्रस्त बिपी राजमार्गके पुनर्निर्माणक लेल काभ्रेपलाञ्चोक क्षेत्रमे तीन स्थान आ सिन्धुलीदिस एक स्थानमे दू वर्ष भितर निर्माण सम्पन्न करबाक लक्ष्यसँ काज भ रहल अइछ ।

सड़क क्षतिग्रस्त भेलाक बाद बितल सालके दशमीमे बिपी राजमार्ग होइत घर जाएबला सर्वसाधारणके समस्या भेल छल । “अइ बेरक मनसुनमे राजमार्ग अवरुद्ध नै भेलै, आब दशमीलगायतक पावैन तिहारमे सेहो अवरुद्ध नै होए तइ लेल मर्मत क रहल छी”, योगेश कहलैन । हुनका अनुसार बाइढ़ आएल आ भुस्खलन भेल तँ निर्माण व्यवसायीसभ राजमार्ग संचालनमे आनत । पावैन तिहारकेँ ध्यानमे राइख सड़कके खदहासभ भरबाक काज भ रहल ओ बतौलैन ।

बिपी राजमार्गमे सोमदिनसँ आओर १५ दिन सवारी संचालनके राइतक समयमे रोक लगाओल गेल अइछ । खतराके कारण बितल अखार ७ गतेसँ राइतमे सवारीसाधन संचालनमे रोक लगबैत आएलमे १५ दिनक लेल समय बढ़ाएल गेल काभ्रेपलाञ्चोक जिला प्रशासन कार्यालय जनौने अइछ । जिला सुरक्षा समितिक रैबदिन भेल बैसारसँ बिपी राजमार्गमे प्रत्येक दिन साँझ ५ बजेसँ भोर ५ बजेधैर यात्रुवाहक तथा निजी सवारीसाधन संचालनमे रोक लगेबाक निर्णय भेल बताओल गेल अइछ । जिलाके काभ्रेभञ्ज्याङसँ सिन्धुली–सीमा नेपालथोकधैर १५ दिन रोक लगेबाक निर्णय कएल गेल अइछ ।

अखन दिनके करिब तीन हजार सवारीसाधन संचालन होइत आएल बिपी राजमार्गमे पावैन तिहारक समयमे तेब्बर गुणासँ गाडीसभ संचालन होइत अइछ । पुनर्निर्माणक लेल अखन काभ्रेपलाञ्चोकदिस दू आ सिन्धुलीदिस एक क तीनटा प्याकेजमे ठिक्का सम्झौता कएल गेल अइछ । स्थायी निर्माणके काज मनसुनके बाद मात्रे सुरु होबाक जनाओल गेल अइछ । क्षतिग्रस्त राजमार्गके पाँच किलोमिटर सड़कखण्डमे जापान अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग नियोग (जाइका) काज करबाक बताओल गेल अइछ । जाइका पिप्लेसँ बर्खे खोलाधैर तीन दशमलव दू किलोमिटर सड़क बनाओत । ओइके लेल अन्तिम सर्भेके काज सम्पन्न भेल अइछ । ठेक्का सम्झौता नै होएधैर अइ खण्डके मर्मतसम्भारके काज कार्यालयअन्तर्गत हएत योगेश बतौलैन । बिपी राजमार्ग अखन इन्टरमिडियट लेनके अइछ तँ आब दू लेनके निर्माण होबाक ओ बतौलैन ।

सरकार क्षतिग्रस्त बिपी राजमार्गके स्थायी निर्माण आ मर्मतके लेल भक्तपुर सड़क डिभिजनकेँ सात अरब ५० करोड़ आ सिन्धुलीके खुर्कोट सड़ककेँ लेल एक अरब देने अइछ ।

जापान सरकारक सहयोगमे आर्थिक वर्ष २०५३÷५४ सँ बिपी राजमार्ग (धुलिखेल–सिन्धुली–बर्दिबास एक सय ६० किमी सड़क) निर्माण काज सुरु भेल छल । खण्डखण्ड विभाजन क निर्माण सम्पन्न राजमार्गके २०७२ साल अखार १८ गते औपचारिक रुपमे जापान सरकार नेपाल सरकारकेँ हस्तान्तरण कएने छल । ई राजमार्ग सङ्घीय राजधानी काठमाण्डूकेँ मध्यपहाडी तथा पूर्वी नेपालसँ जोड़ैबला छोट रस्ताके रुपमे अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको