प्रदेश संरचना खारेज नै हएतः अर्थमन्त्री खनाल


मोरङ, ८ आसिन: अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल प्रदेश संरचना खारेज करबाक कोनो सम्भावना नै रहल बताैलैन अइछ ।

विराटनगर विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसँ सङ्क्षिप्त बात करैत सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालयके सेहो जिमेवारी लेने अर्थमन्त्री खनाल वर्तमान सरकार संविधानअनुसार सञ्चालन भेलासँ प्रदेश खारेज करबाक सम्बन्धी कोनो सोच नै भेल स्पष्ट केलैन ।

एक प्रश्नके जवाफमे मन्त्री खनाल अखनके अवस्थामे एक हजार टका आ ५०० टकाके नोट प्रतिबन्ध करबाक विषयमे कोनो बातचित नै भेल जानकारी देलैन अइछ ।

भारत सरकारद्वारा लागू कएल गेल एकीकृत कर ‘गुड्स सेल्स ट्याक्स’ घटल सम्बन्धमे अध्ययन भ रहल तथा उद्योग व्यवसाय एवम् औद्योगिक प्रतिष्ठानमे क्षति होएबाक अवस्था आएत, तँ सुधार कएल जेबाक जानकारी देलैन अइछ । (रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको