मतदाता नामावली सङ्कलन कातिक ३० गतेधैर


काठमाण्डू, ९ आसिनः निर्वाचन आयोग अगिला फागुन २१ गतेक लेल तोकल गेल प्रतिनिधिसभाक निर्वाचनक लेल आइसँ मतदाता नामावली सङ्कलन सुरू कएने अइछ । राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलद्वारा अध्यादेशमार्फत मतदाता नामावली ऐन, २०७३ संशोधन भेलाक बाद आयोग अगिला कातिक ३० गतेधैर क लेल मतदाता नामावली सङ्कलन सुरू कएने अइछ ।

सोलह वर्ष उमेर पूरा भेल नेपाली नागरिकता प्रमाणपत्र प्राप्त नेपाली नागरिक सार्वजनिक छुट्टीके दिन छोइड़ हरेक दिन भोर ८:०० बजेसँ साँझ ६:०० बजेधैर प्रदेश निर्वाचन कार्यालय तथा जिला निर्वाचन कार्यालयमे नाम दर्ता करा सकैत अइछ, आयोगक प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराईद्वारा जारी विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ ।

आयोगक वेबसाइटमार्फत ‘प्रि–रजिष्ट्रेशन’ प्रणालीसँ फाराम भैर क सम्बन्धित निर्वाचन कार्यालयमे जैविक विवरण उपलब्ध करेबाक लेल आयोग आग्रह कएने अइछ । आयोग मतदाता सूचीमे नाम भेल मतदाताक विवरण सुधार करबाक लेले सेहो जनौने अइछ ।

आयोग तोकल समयमे प्रतिनिधिसभाक निर्वाचन सम्पन्न करबाक लेल मतदाता नामावली ऐन, २०७३मे संशोधन सहित आवश्यक स्रोतसाधनक सुनिश्चितताक लेल नेपाल सरकारसँ आग्रह करैत आइब रहल छल । हाल अगिला कातिक १६ गतेधैर १८ वर्ष उमेर पूरा भेल मतदाताक सङ्ख्या एक करोड़ ८१ लाख ६८ हजार २३० रहल अइछ । नामावली सङ्कलन फेरसँ सुरू भेला सङे युवा मतदाताक सङ्ख्या वृद्धि होएत ।

अइसँ पहिने तोकल गेल उपनिर्वाचनक मिति अनुसार बितल अखार १६ गतेसँ मतदाता नामावली सङ्कलन स्थगन भेल छल, मध्यावधि निर्वाचनक मिति घोषणा भेलाक बाद अध्यादेशसँ कानुन संशोधन क मतदाता नामावली सङ्कलन खोलल गेल अइछ ।

भादब २३ आ २४ गतेक जेनजी प्रदर्शन आ उत्पन्न परिस्थितिमे पूर्वप्रधानन्यायाधीश सुशीला कार्कीक नेतृत्वमे अन्तरिम सरकार गठन तथा प्रतिनिधिसभाक विघटन भ अगिला फागुन २१ गतेक लेल निर्वाचनक मिति घोषणा कएल गेल छल । प्रधानमन्त्री कार्कीसङ आयोगक पदाधिकारी इएह आसिन ७ गते निर्वाचनक लेल कानुन संशोधन आ व्यवस्थापकीय तैयारीक बारेमे बातचित कएने छल। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय