तीन मन्त्रालयमे हटलाइन नम्बर संचालन


काठमाण्डू, ९ आसिनः ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ, सहरी विकास मन्त्रालय आ भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयमे भेल देरी, मोलमोलइ आ भ्रष्टाचारसँ सम्बन्धित गतिविधि रोकथामक लेल हटलाइन नम्बर संचालन भेल अइछ ।

मन्त्रालयके विभाग, आयोजना तथा मातहतके कार्यालयमे सेवाग्राहीकेँ काजमे अटेरी करबाक, घुस/रिसवत माँगब, अनावश्यक दुःख देबाक, अपमानजनक व्यवहार करबाक लगायतक गतिविधि भेलापर सेवाग्राहीसभ प्रत्यक्ष रुपसँ अपन समस्या राइख सकत कही ई व्यवस्था कएल गेल अइछ ।

ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयसँ सम्बन्धित समस्याके लेल टेलिफोन नम्बर ०१–४२११५११ आ हटलाइन नम्बर ११५१ प्रयोग क सकबाक बताओल गेल अइछ ।

तहिना, सहरी विकास मन्त्रालयसम्बन्धी समस्याके लेल टेलिफोन नम्बर ०१–४२०००१ प्रयोग करबाक लेल व्यवस्था कएल गेल अइछ, तँ भौतिक पूर्वाधार तथा यातायात मन्त्रालयसम्बन्धी समस्याके लेल ०१–४२११७२ मे सम्पर्क करबाक लेल कहल गेल अइछ । तीनू मन्त्रालयमे समस्या भेलापर [email protected] मे सेहाे पठेबाक लेल आग्रह कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय