राजविराजमे आठ सालक बाद तेसर सप्तरी महोत्सव २०८२ हाेएत


राजविराज, २१ भादव । राजविराजमे आठ सालक बाद तेसर सप्तरी महोत्सव २०८२ आयोजन होमय जा रहल अइछ।

ई महोत्सव सप्तरी उद्योग वाणिज्य संघ द्वारा आयोजित कएल जा रहल अइछ। सप्तरी उद्योग वाणिज्य संघ शनिबार पत्रकार सम्मेलनक माध्यमसँ महोत्सवक सम्बन्धमे जानकारी देलक। संघक अध्यक्ष लालु प्रसाद अग्रवालक अनुसार, महोत्सव असोज २२ सँ कार्तिक ०६ धइर १५ दिन चलत। महोत्सवक मुख्य उद्देश्य स्थानीय उत्पादनक प्रचार-प्रसार, उद्योग व्यवसायक प्रोत्साहन आ बजारक संग जोड़ब अइछ।

महत्वपूर्ण आकर्षणक रूपमे महोत्सवमे स्थानीय उत्पादन आ सेवाक प्रदर्शनी, ग्राहक सँ प्रत्यक्ष अन्तरक्रिया, स्थानीय कलाकार आ सांस्कृतिक कार्यक्रम, संगे पर्यटन, स्वास्थ्य आ शिक्षा क्षेत्रक अवसरक खोजी आदि गतिविधि होयत।

अग्रवालक अनुसार, महोत्सवमे १ लाख ५० हजार सँ बेसी अवलोकनकर्ता आबि सकैत अइछ। महोत्सवमे कृषि उपज, थारू आ मिथिला भोजन, राष्ट्रीय आ अन्तर्राष्ट्रीय कलाकारक प्रस्तुति मुख्य आकर्षण हेत। एहि अन्तर्गत स्थानीय कलाकार भुपेन्द्र कुमार मण्डल (रामलाल), विनय सोनु, भारती चर्चित कलाकार माही मनिसा, नेपाली चर्चित कलाकार दुर्गेश थापा आदि अपन कला प्रस्तुत करत।

महोत्सवमे भाग लेनिहारक लेल प्रवेश शुल्क १०० रुपैया राखल गेल अइछ। आवश्यक सुरक्षा व्यवस्था स्वयंसेवक, नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरीक सहयोग सँ सुनिश्चित कएल गेल अइछ।

सप्तरी उद्योग वाणिज्य संघक महासचिव अमृत संचेतीक विश्वास अनुसार, महोत्सव स्थानीय उद्योग आ पर्यटन विकासमे लाभदायक होयत। महोत्सव राजदेवी, भगवती पोखरी, छिन्नामस्ता मन्दिर, कंकालिनी मन्दिर, शनि मन्दिर, शम्भुनाथ मन्दिर आ अग्नीसाइर–कृष्णासवरन गाउँपालिका २ स्थित त्रिरत्न गुम्बा जेकाँ धार्मिक आ पर्यटकीय स्थलक प्रचार-प्रसार आ विकासमे सेहो मदद करत।

तेसर महोत्सवमे जिल्लाक १८ टा स्थानीय तह सह-आयोजक अइछ, आ नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरी शाखा मिडिया पार्टनर अइछ। महोत्सवमे स्थानीय उत्पादनक लेल निशुल्क स्टल आ १५० सँ बेसी शुल्क व्यापारिक स्टलक व्यवस्था अइछ। आयोजक सभ महोत्सवक दैनिक गतिविधि पत्रकार सम्मेलनक माध्यम सँ सार्वजनिक करत।

सप्तरी महोत्सव पहिने २०६८ आ २०७४ सालमे क्रमशः पहिल आ दोसर बेर आयोजित भ चुकल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय