काठमाण्डू, २३ भादबः जिला प्रशासन कार्यालय काठमाण्डूद्वारा काठमाण्डू महानगरपालिका भितरमे आइ चाइर किल्ला निर्धारण करैत कर्फ्यू आदेश घोषणा केलक अइछ । जेनजी पुस्ताके प्रदर्शन उग्र बनैत गेलाक बाद निर्धारित निश्चित सिमानाभित्र ककरो आवत–जावत, कोनो प्रकारके सभा, जुलुस, प्रदर्शन, बैसार, घेराउ करए नै मिलबाक लेल कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल अइछ ।
बानेश्वर चाैकसँ पश्चिम एभरेष्ट होटल होइत बिजुलीबजार पुलधैर, बानेश्वर चाैकसँ पूर्व मीनभवन, शान्तिनगर होइत तीनकुने चोकसम्म, बानेश्वर चाैकसँ उत्तर आइप्लेक्स मल होइत रत्नराज्य माध्यमिक विद्यालयधैर आ बानेश्वर चाैकसँ दक्षिण शङ्खमूल ढरकाहसँ शङ्खमूल पुलधैर कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल काठमाण्डूक प्रमुख जिला अधिकारी छविलाल रिजालद्वारा जारी कएल गेल विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ ।
स्थानीय प्रशासन ऐन, २०२८के दफा ६ (क) बमोजिम आइ भादब २३ गते दुपहर १२ः३०सँ राइतके १० बजेधैर कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल जिला प्रशासन कार्यालय जनौलक अइछ । रासस





