काठमाण्डू उपत्यकामे कर्फ्यू क्षेत्र विस्तार


काठमाण्डू, २३ भादबः जिला प्रशासन कार्यालय काठमाण्डूद्वारा कर्फ्यू क्षेत्र बढ़ाओल गेल अइछ ।

काठमाण्डूके प्रमुख जिला अधिकारी विज्ञप्तिमार्फत शीतल निवास (राष्ट्रपति कार्यालय) महाराजगञ्ज क्षेत्रके उत्तर पूर्वमे राष्ट्रिय प्रहरी प्रशिक्षण प्रतिष्ठान चौकसँ आगु, पूर्वदक्षिणमे सामाखुसी जाएबला मोड़सँ सओ मिटर दक्षिणधैर आ दक्षिणपश्चिममे सामाखुसी मोड़सँ सामाखुसी खोलाधैर कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल बतौलैन अइछ ।

तहिना, हरित गृह (उपराष्ट्रपति कार्यालय) लैनचौर क्षेत्रके केशरमहल चौकसँ लैनचौर मोड़ होइत मल्ल होटलके सिमानाधैर, नारायणहिटी दरबार सङ्ग्रहालय क्षेत्र, केशरमहल चौकसँ नारायणहिटी दरबार सङ्ग्रहालय दक्षिण गेटसँ जय नेपाल मोड़धैर, नारायणहिटी दरबार सङ्ग्रहालय दक्षिण गेटसँ महेन्द्र सालिकधैर सेहो कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल अइछ ।

प्रशासन कार्यालय सिंहदरबार क्षेत्रके भद्रकाली मन्दिर (तीनकुने आइल्याड) के पूर्वी कोनासँ पूर्वदिस सिंहदरबार मूल गेटधैर, सिंहदरबार मूलगेट आगुसँ उत्तरदिस पद्मोदय माविके मोड़धैर, पद्मोदय मोड़सँ पूर्वदिस महालेखा परीक्षक कार्यालयके आगुसँ अनामनगरदिस जाएबला सिंहदरबारके उत्तरपूर्वी मोड़ आ ओइ मोड़सँ सिंहदरबार पूर्वी गेट होइत हनुमानस्थान मन्दिरधैर आ सिंहदरबार मूलगेट आगुसँ दक्षिणदिस सर्वोच्च अदालत आगु होइत पुरातत्व विभागके चोकधैर कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल अइछ ।

प्रशासन कार्यालय आइ दुपर १ बजेसँ राइतके १० बजेधैर कफ्र्यू आदेश जारी कएने अइछ । स्थानीय प्रशासन ऐन, २०२८ के दफा ६ (क) बमोजिम काठमाण्डू जिलाके काठमाण्डू महानगरपालिका भीतर देहायके चाइर किला निर्धारण क ओइ सीमामे आवतजावत, जुलुस, प्रदर्शन, सभा, बैसार, घेराउ नै करबाक लेल कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल जनौने अइछ ।

अइसँ पहिने प्रशासन कार्यालय नयाँ बानेश्वर आसपास क्षेत्रमे मात्रे कर्फ्यू आदेश जारी कएने छल । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय