काठमाण्डू, २३ भादबः काठमाण्डू उपत्यकामे आइ ‘जेनजी’के प्रदर्शनक क्रममे १४ गोटे प्रदर्शनकारीके मृत्यु भेल अइछ ।
आन्दोलनके क्रममे घायल १०० सँ बेसी प्रदर्शनकारीके विभिन्न अस्पतालमे इलाज भ रहल अइछ । ट्रमा सेन्टरमे उपचाररत छ गोटे प्रदर्शनकारीके मृत्यु भेल अइछ । तहिना, २५ गोटेके इलाज भ रहल ट्रमा सेन्टर जनौलक अइछ । घायलमध्य पाँच गोटेके अवस्था गम्भीर अइछ ।
सिभिल अस्पतालके अनुसार उपचाररत घायल प्रदर्शनकारीमध्ये अखनधैर तीन गोटेके मृत्यु भेल अइछ । काठमाण्डू मेडिकल कलेजमे उपचाररत २० घायलमध्ये एक गोटेके मृत्यु भेल अइछ । एभरेष्ट हस्पिटलमे ३४ गोटे उपचारत अइछ तँ तीन गोटेके मृत्यु भेल अइछ । शिक्षण अस्पताल महाराजगञ्जमे उपचाररत एक गोटेके मृत्यु भेल, तँ १६ गोटे घायलके इलाज भ रहल अइछ ।
उपचाररत घायलकेँ निःशुल्क इलाजक व्यवस्था करबाक लेल स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय निर्देशन देने अइछ । जेनजी प्रदर्शनमे भेल क्षतिके विस्तृत विवरण सङ्कलन भ रहल गृह मन्त्रालयके प्रवक्ता आनन्द काफ्ले जानकारी देलैन अइछ । रासस





