प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली देलक पदसँ राजीनामा


काठमाण्डू, २४ असोज । प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली अपन पद सँ राजीनामा देलक अइछ ।

आइ राष्ट्रपति समक्ष बुझाएल राजिनामा पत्रमे हुनका कहल गेल अइछ जे हाल मुलुकमे उत्पन्न असामान्य परिस्थिति समाधान करबाक लेल संविधानक प्रक्रिया आगू बढ़ेबाक उद्देश्य सँ ओ राजीनामा देलौं ।

संविधानक धारा ७७(२) बमोजिम प्रधानमन्त्री नियुक्त भेल ओली स्पष्ट कएलक जे राजनीतिक निकास आ समस्या समाधानक लेल संविधानक धारा ७७(१) अनुसार आजुक मितिसँ लागू होइत अपन पदत्याग कएलौं । राजीनामा पत्रमे कहल गेल अछि जे राजनीतिक सहमति आ संवादमार्फत समस्या समाधानक आवश्यकता छै आ देशकेँ निकास देबाक लेल ओ योगदान दैत रहबाक प्रतिबद्धता जनौलक ।

किछ दिन एम्हर उग्र बनल जेनजी आन्दोलनक कारण देश संकटपूर्ण अवस्थामे पहुँचल आ ओहि दबाबमे ओली अंततः पदत्याग करए बाध्य भेल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय