काठमाण्डू, २५ भादबः प्रधानसेनापति अशोकराज सिग्देल विषम परिस्थितिमे राष्ट्रकेँ शान्तिपूर्ण तरिकासँ निकास देबाक लेल आन्दोलनरत समूहकेँ आन्दोलन स्थगित क वार्तामे अएबाक लेल आह्वान केलैन अइछ ।
मङ्गलदिन भिडियो सन्देशमार्फत ओ, आन्दोलनक क्रममे अखनधैर जनधनके क्षति भेलासँ आओर क्षति नै करए लेल आ शान्ति सुरक्षा, अमनचयन एवं राष्ट्रिय एकता आ शान्ति सुरक्षा कायम करबाक साझा दायित्वमे सहयोग करए लेल आग्रह केलैन अइछ ।
वर्तमान असहज परिस्थितिकेँ सामन्यीकरण करैत राष्ट्रिय एवं ऐतिहासिक सम्पदा एवं नागरिकके सम्पत्ति, मित्रराष्ट्रके कूटनीतिक नियोग तथा नागरिककेँ सुरक्षाक प्रत्याभूति दैत राष्ट्रके हितक रक्षा करब सबके कर्तव्य भेल ओ बतौलैन अइछ ।
देशक स्वतन्त्रता, सार्वभौमसत्ता, भौगोलिक अखण्डता, स्वाधिनता, राष्ट्रिय एकता आ नेपाली जनताके सुरक्षार्थ विषम परिस्थितिमे नेपाली सेना प्रतिबद्ध रहैत आएल ओ स्मरण करौलैन । नेपालमे अखन भ रहल आन्दोलनके क्रममे भेल जनधनके क्षतिप्रति दुःख व्यक्त करैत ओ दिवङ्गत आत्माके शान्तिके कामना आ शोक सन्तप्त परिवारप्रति सहानुभूति व्यक्त केलैन । रासस






