राष्ट्रिय एकता आ सामाजिक सद्भाव कायम राखुः नेपाली सेना


काठमाण्डू, २५ भादबः नेपाली सेना देशक जनजीवन सामान्य बनेबाक लेल अपन–अपन दायित्वकेँ नागरिक निरन्तरता देत से विश्वास व्यक्त केलक अइछ ।

नेपाली सेनाके जनसम्पर्क तथा सूचना निर्देशनालय आइ विज्ञप्ति जारी क केहनो परिस्थितिमे सब नेपालीके सुरक्षा आ मानवीय उद्धारमे प्रतिबद्ध भ परिस्थितिजन्य जिमेवारी बहनमे सक्रिय भेल सुरक्षाकर्मीकेँ सहयोग करबाक लेल अनुरोध केलक अइछ ।

देशक समग्र शान्ति सुरक्षा अवस्थाकेँ मध्यनजर करैत अखन लागू कएल गेल निषेधाज्ञा आइ साँझ ५ः०० बजेधैर आ ओइके बाद काइल्ह भादब २६ गते भोर ६ः०० बजेधैर जारी रहबाक जनौने अइछ ।

आन्दोलनके नामपर अखनो अराजक व्यक्ति आ समूहसभ घुसपैठ क व्यक्तिगत आ सार्वजनिक सम्पत्तिमे तोड़फोड़ तथा आइगजनी, लुटपाट एवं व्यक्ति लक्षित हिंस्रक आक्रमण, बलात्कारक प्रयास क रहलासँ निषेधाज्ञाकेँ निरन्तरता देल गेल सेना जनौने अइछ ।

निषेधाज्ञाके समय अत्यावश्यक सेवाके सवारीसाधन (एम्बुलेन्स, शव वाहन, दमकल, स्वास्थ्यकर्मी आ सुरक्षाकर्मीके सवारीसाधन) संचालन होबाक कहैत सेना आवश्यक सहजताके लेल नजदिकके सुरक्षाकर्मीसँ समवंय करबाक लेल आग्रह सेहो कएने अइछ ।

आन्दोलन बादके परिस्थितिकेँ सम्बोधन क समस्या समाधानक लेल सम्बद्ध पक्षबीच समवंय भ रहलासँ आन्दोलनके नामपर होएबला कोनो प्रदर्शन, तोड़फोड़, लुटपाट, आइगजनी, व्यक्ति तथा सम्पत्ति लक्षित आक्रमणकेँ दण्डनीय अपराधके रुपमे लैत सुरक्षाकर्मीद्वारा कड़ा कारबाही होबाक चेतावनी सेहो सेना देने अइछ ।

तहिना, अवकाश प्राप्त सैनिकलगायत सुरक्षाकर्मी, सब सेवाके राष्ट्रसेवक, संचारकर्मी तथा आमनागरिकमे अफवाहके पाछु नै लाइग आधिकारिक सूचना सम्प्रेषण करए तथा आधिकारिकतामे मात्रे विश्वास करबाक लेल अनुरोध कएल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय