राजविराज सहित देशभैरके आओर १९२ गोटे कैदी नियन्त्रणमे


काठमाण्डू, २५ भादबः नेपाली सेना सहित अन्य सुरक्षा निकायसभके परिचालन भेला बाद भादब २५ गते साँझ ६ बजेसँ आइ भोर ६ बजेधैर आओर १९२ गोटे कैदीकेँ नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ।

नेपाली सेना आइ विज्ञप्ति मार्फत सप्तरीक राजविराज स्थित जिला कारागारसँ भागबाक प्रयास क रहल १९२ गोटे कैदीकेँ नियन्त्रणमे कएल गेल जानकारी देलक अइछ।

ओहिना, कञ्चनपुरक चाँदनीमे भारतीय सीमासुरक्षा बल भारत दिस जा रहल सात गोटे कैदीकेँ नियन्त्रणमे ल क सेनाकेँ सौंपल गेल अइछ। एक गोटे कैदीकेँ स्थानीयसभ नियन्त्रणमे ल क इलाका’ प्रहरी कार्यालयकेँ सौंपलक आ १२ गोटे कैदी अपनेसँ कारागारमे हाजिर भेल अइछ।

रामेछाप स्थित जिला कारागारमे कैदी बाहर जेबाक माँग करैत कएने झड़पकेँ नियन्त्रणमे लेबाक लेल सेनाक गोलीसँ १२ गोटे कैदी घायल भेल आ दू गोटेक मृत्यु भ गेल अइछ।

ओहिना, काभ्रेपलाञ्चोकक बनेपा–९ स्थित नयाँ बस्तीमे भेटल शङ्कास्पद वस्तुकेँ नेपाली सेना सुरक्षित रूपसँ डिस्पोज कएने अइछ। अखनधैर ९४ नाल विभिन्न हथियार बरामद भेल नेपाली सेना जनौने अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय