नव नेपालक नेतृत्व लेल कार्की योग्य : डा. भट्टराई


काठमांडू । पूर्व प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई कहलनि जे नव नेपालक नेतृत्व करबाक लेल पूर्व न्यायाधीश तथा इमानदार, सक्षम आ स्वच्छ व्यक्तित्व रूपेँ चिनल गेल सुशीला कार्कीकेँ सिफारिस करब सकारात्मक कदम भेल बताैलक अइछ ।

ओ कहलनि जे कार्कीकेँ संपूर्ण देश सहयोग आ समर्थन करएत, आ अपन तरफ़ सँ सेहो पूर्ण समर्थन आ शुभकामना ओ प्रकट करैत छइथ। भट्टराई कहलनि जे संविधानक आधार पर शपथ ग्रहण कए संविधान आ लोकतान्त्रिक विधि अनुसार सरकार संचालन करब आवश्यक अइछ। ओ संविधानविद् आ विज्ञसभक सल्लाह लए निर्णय करबाक महत्वपर जोर देलइन।

अइ स पहिने २०६९ सालमे खिलराज रेग्मीकेँ नियुक्त करबाक निर्णयमे संविधानमे “राजनीतिक सहमतिक आधार पर” कहल गेल प्रसंग स्मरण करैत, ई बेरक परिस्थितिमे तैसए स्थायी समाधान खोजब सम्भव नइँ अइछ, ओ स्पष्ट करलनि। अहाँक आन्दोलन सँ उत्पन्न राजनीतिक अस्थिरता सँ बाट निकालब संविधानक आधार पर टेककए मात्र सम्भव अइछ, ओ कहलैन।

भट्टराई कहलनि जे हालक आन्दोलन नेपालकेँ स्थायी समाधानक दिशा मे ल जाएत, आ संविधान आ लोकतान्त्रिक अभ्यासकेँ सबल बनाबय लेल सभ राजनीतिक दल जिम्मेवार रहबाक चाही।

ताजा खबर
लोकप्रिय