सुशीला कार्की नेपालक पहिल महिला प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू । नेपालक इतिहासमे पहिल बेर सुशीला कार्की महिला प्रधानमन्त्री बनल छइथ।

एहि सँ पहिले ओ पहिल महिला प्रधानन्यायाधीशक रूपमे इतिहास रचि चुकल छइथ। आब पहिल महिला प्रधानमन्त्री बनिकए ओ आरो एकटा महत्वपूर्ण अध्याय जोड़’मे सफल भेल छइथ। जेन–जी आन्दोलनक कारणेँ एमाले–कांग्रेस गठबन्धनक केपी शर्मा ओली नेतृत्वक सरकार ढहि गेला उपरान्त कार्कीकेँ प्रधानमन्त्री बनबाक अवसर भेटल। ओलीक राजीनामाक बाद अन्तरिम सरकार गठन लेल भेल चर्चामे संसद् विघटन आ जेन–जी पीढ़ीक माग पूरा करबाक उद्देश्य सँ कार्की नेतृत्वमे सरकार बनाबए सहमति जुटल।

गत भादव २३ गते जेन–जी युवासभक आन्दोलनक दौरानमे प्रहरीक गोलीसँ कमसँ कम १९ जना युवकक मृत्युभेला उपरान्त देशभर आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन, आगजनी आ तोड़फोड़ भेल। आन्दोलनक दबाबमे २४ गते सँ राजनीतिक स्थिरता संकटग्रस्त बनि गेल आ अन्ततः प्रधानमन्त्री ओलीकेँ पद छोड़बाक बाध्यता भेल।

सुशीला कार्की एतबे नइँ, २०७३ सालमे पहिल महिला प्रधानन्यायाधीश बइनकए न्यायपालिकाक नेतृत्व सेहो कएने रहैथ। आब पहिल महिला प्रधानमन्त्री बनलासँ हुनकर यात्रा मात्र नइँ, बरु नेपालक महिलामुक्ति आन्दोलनक इतिहासमे सेहो नव मीलका पत्थर जोड़ल गेल अइछ।

ताजा खबर
लोकप्रिय