नेपालक समृद्धिप्रति भारत प्रतिबद्ध अइछः प्रधानमन्त्री मोदी


काठमाण्डू, २८ भादबः भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी नेपालक समृद्धिप्रति भारत प्रतिबद्ध रहल बतबैत अन्तरिम सरकारक प्रधानमन्त्री बनल सुशीला कार्कीकेँ शुभकामना देलैन अइछ ।

सामाजिक संजाल एक्समार्फत भारतीय प्रधानमन्त्री मोदी कार्यभार सम्हारने कार्कीकेँ शुभकामना दैत नेपालक समृद्धिप्रति भारत प्रतिबद्ध रहल बतौलैन अइछ ।

एक्समे भारतक प्रधानमन्त्री मोदी लिखलैन अइछ, “नेपालक अन्तरिम सरकारके प्रधानमन्त्रीके रुपमे पदभार ग्रहण कएने सम्माननीय श्रीमती सुशीला कार्की जीकेँ हार्दिक शुभकामना । नेपालक सम्पूर्ण जनताके शान्ति, प्रगति आ समृद्धिप्रति भारत पूर्ण रुपमे प्रतिबद्ध अइछ ।” रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको