महेन्द्रनगर (धनुषा), ३० भादबः महिलासभ अपन सन्तानक दीर्घायु, सुस्वास्थ्य आ समृद्धिके कामनासहित कएने जितिया पावैनक उपवास आइ सम्पन्न भेल अइछ ।
अइ पावैनमे महिलासभ तीन दिन विधिपूर्वक अनुष्ठान करैत अइछ । अइ सालके जितिया पावैन अन्तर्गत शैनदिन राइत ‘ओगटन’ खा क महिलासभ उपवास सुरु कएने छल । ओइके बाद रैबदिन बिना पाइन पिने निराहार उपवास क महिलासभ आइ भोर नहाए क उपवास सम्पन्न केलैन अइछ ।
उपवासक दोसर दिन महिलासभ जितमाहा अर्थात् धर्मवीर पुत्र जितुवाहनके कथावाचन तथा पूजापाठ क सन्तानक दीर्घायुके कामना करैत अइछ । पावैनक अन्तिम दिन विधिपूर्वक फलाहार या अन्न ग्रहण करैत उपवास समापन कएल जाइत अइछ । विशेष क मिथिला क्षेत्र, तराई मधेशक जिला, काठमाण्डूलगायत सहरमे भेल मैथिल, थारु लगायत समुदाय ई पावैन भव्य रुपमे मनाबैत अइछ । जितियाके कठोर उपवासके रुपमे लेल जाइत अइछ । निष्ठा आ श्रद्धापूर्वक कएल जाएबला जितिया उपवासके प्रभाव सन्तानके कल्याण, सन्तानद्वारा माएकेँ सुख देबाक विश्वास कएल जाइत अइछ । रासस





