जेनजी आन्दोलनके मृतकके सम्मानमे राष्ट्रिय शोक


काठमाण्डू, ३० भादबः गृह मन्त्रालय जेनजी आन्दोलनमे निधन भेल व्यक्तिसभक सम्मानमे राष्ट्रिय शोक मनेबाक निर्णय केलक अइछ ।

नवनियुक्त गृहमन्त्री ओम प्रकाश अर्याल आइ पदभार ग्रहण कएलाक बाद उक्त निर्णय केलैन अइछ । मन्त्री अर्याल शोकमे राष्ट्रिय झण्डा आधा झुकेबाक निर्णय सेहो कएने छैथ ।

आन्दोलनक क्रममे निधन भेल व्यक्तिसभक परिवारकेँ काजकिरिया खर्चवापत प्रति परिवार एक लाख टका उपलब्ध करेबाक तथा मृतकके लहास घरधैर पहुँचेबाक निर्णय सेहो कएल गेल अइछ ।

मन्त्री अर्यालकेँ गृह सचिव गोकर्णमणि दुवाडी, प्रहरी महानिरीक्षक चन्द्र कुबेर खापुङ, सशस्त्र प्रहरी महानिरीक्षक राजु अर्याल, निमित्त राष्ट्रिय अनुसन्धान निर्देशकलगायत स्वागत कएने छलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय