मधेश प्रदेश सभामे ४० करोड़ टका बराबरके क्षति


महेन्द्रनगर (धनुषा), १ आसिनः जेनजीके आन्दोलन आ प्रदर्शनक क्रममे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–१२ स्थित मधेश प्रदेश सभा आ सचिवालयमे ४० करोड़ टका बराबरके भौतिक सामग्री क्षति भेल अइछ ।

प्रदेश सभाके सातो दलक संसदीय दलक कार्यालय, दलके सभापतिसभक कार्यकक्ष, सभामुखके कार्यकक्षसहित सचिवालयके अधिकांश शाखामे तोड़फोड़ आ आइगजनी कएलाक बाद पूर्ण रुपमे क्षति भेल मधेश प्रदेशक सभामुख रामचन्द्र मण्डल राससकेँ जानकारी देलैन अइछ ।

प्रदर्शनकारी कार्यालय क्षेत्र मात्रे नै भ गाड़ी आ व्यक्तिगत सम्पत्तिमे सेहो आक्रमण कएने ओ बतौलैन । तोड़फोड़मे प्रदेश सभा सचिवालयके गाड़ीमे आइगजनी क ध्वस्त बनाएल गेल अइछ, तँ सभामुख मण्डलके निजी गाड़ीमे सेहो तोड़फोड़ कएल गेल अइछ ।

कार्यालय भीतर भेल फर्निचर, कम्प्युटर, ल्यापटप, इटरनेट, टेलिभिजन आ पङ्खालगायतक भौतिक सामानसभ लुटल गेल तथा आइगजनी क नष्ट बनाएल गेल ओ बतौलैन ।

प्रदेश सभा भीतर भेल मिडिया सेन्टरके कम्प्युटर आ टेलिभिजन सेहो लुटल गेल सचिवालय जनौने अइछ । तहिना, मधेश प्रदेश सभासँ आन्दोलनक नाममे लुटल गेल कम्प्युटर, ल्यापटप, प्रिन्टर, स्क्यानर, टेलिभिजन, क्यामरा, मनिटर, माइक, स्पिकर, फोटोकपी मेसिन, एसीलगायत विद्युतीय उपकरणसहित भौतिकलगायतक सामान फिर्ता करबाक लेल अनुरोध कएल गेल अइछ । रासस

ताजा खबर
धेरै पढिएको