एम्बुलेन्ससँ ५१ किलो गाँजा बरामद


सर्लाही, २१ अगहनः एम्बुलेन्ससँ ५१ किलो गाँजा बरामद कएल गेल अइछ । हरिवन नगरपालिका–५ घुर्कौलीस्थित हीरालाल टोलसँ गाँजासहित जेबाक लेल तैयारी अवस्थामे भेल एम्बुलेन्सके आइ भोर प्रहरी नियन्त्रणमे लेल गेल अइछ ।

जिला प्रहरी कार्यालयके अनुसार नेपाल रेडक्रस सोसाइटी रामनगर बहुअर्वाके नाममे भेल ज १ च १५५८ नम्बरके एम्बुलेन्स गोप्य सूचनाक आधारमे हरिवनस्थित इलाका प्रहरी कार्यालयके टोली नियन्त्रणमे लेने छल । एम्बुलेन्स चालक रौतहटके यमुनामाई गाउँपालिका–४ सरुअठाके ३७ वर्षक सुरेन्द्र राय यादवकेँ सेहो गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

तहिना, लालबन्दी नगरपालिका–११ हिरापुरसँ ओएह नगरपालिका–१४ नारायणखोलाके २५ वर्षक गङ्गा बहादुर वाइवाकेँ ५२ किलो गाँजासहित प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अइछ ।(रासस)

ताजा खबर
धेरै पढिएको