सिरहा, २१ अगहनः १४ सालसँ निर्माणाधीन हुलाकी सड़कअन्तर्गत सिरहा आ धनुषाकेँ जोड़ैबला कमला पुल निर्माणक लेल स्थानीयबासी चन्दा संकलन अभियान सुरु केलक अइछ ।
शैनदिन कमला पुल लग उपस्थित भ अभियानक अगुवासभद्वारा अभियानके औपचारिक रुपमे सुरुआत कएल गेल सामाजिक अभियन्ता तथा पत्रकार रामरिझन यादव जानकारी देलैन । “अइ ठाम १४ साल पहिने काज सुरु भेलाक बादो बेर–बेर समय बढ़ाओल जा रहल छै । वि.सं. २०७८ अखार १७ मे बाइढ़क कारण पुलके दूटा पिलर खसलाक बाद आओर समस्या भेल छै । पुल नै बनलासँ मधेशक लाखो नागरिकके यात्रा, स्वास्थ्य सेवा, शिक्षा आ आर्थिक गतिविधिमे गम्भीर असर भेल छै”, ओ कहलैन ।
सरकार १४ सालमे पुल नै बनौलाक बाद आब जनता अपने पुल बनेबाक अवस्थामे पहुँचल कहैत अभियन्ता यादव प्रतिकात्मक आन्दोलन सुरु कएल गेल बतौलैन । बेर–बेर सरकारके कहलाक बादो काज नै भेलाक बाद किछ दिन पहिने पुल निरीक्षणक लेल आएल भौतिक पूर्वाधारमन्त्री कुलमान घिसिङकेँ जानकारी करा अभियान सुरु कएल हुनक कहब छलैन ।
मन्त्री घिसिङ प्राथमिकतामे राइख क कोनो हालतमे पुल बनेबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कएलाक बादो निश्चिन्त होबाक अवस्था नै भेल अभियन्तासभक कहब छैन । तइ, कमला पुल निर्माणमे करिब दू अरब टका लागबाक अनुमान कएल गेलासँ धनुषा, सिरहा आ सप्तरीके नागरिकसँ चन्दा सङ्कलन क सरकारकेँ सहयोग करबाक योजना अइछ ।
अइ अभियानक लेल प्रतिपरिवार १० हजार टकाके हिसाबसँ चन्दा संकलन, विष्णु महायज्ञ आ अभियानकेँ प्रशासनमे दर्ता करा प्राप्त होएबला अनुदानक रकम सरकारके कोषमे जमा करबाक बताओल गेल अइछ । (रासस)





