मधेशक मुख्यमन्त्री आ तीन मन्त्रीकेँ शपथ ग्रहण


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक नव नियुक्त मुख्यमंत्री कृष्णप्रसाद यादव रैब दिन एक समारोहक बीचमे पद तथा गोपनीयताक शपथ लेलक अइछ ।
प्रदेश प्रमुख सुरेन्द्र लाभ कर्ण हुनका शपथग्रहण करौलक । कांग्रेस संसदीय दलक नेता रइह चुकल यादव अगहन १९ गते ७ दलक ७७ प्रदेश सभा सदस्यक समर्थन पर मुख्यमंत्री बनल अइछ । कांग्रेसक अलाबा जसपा नेपाल, जनमत, नेकपा माओवादी केन्द्र, लोसपा आ एकीकृत समाजवादीक सांसद सभक समर्थनसँ ओ नियुक्त भेल छइथ ।

तहिना, आइये मधेशक नवमुख्यमंत्री यादव तीन गोटा मंत्री सेहो नियुक्त कएलक अइछ । नेपाली कांग्रेसक जंगीलाल राय, जनमतक महेश प्रसाद यादव आ नेकपा एकीकृत समाजवादीक कनिस पटेलकें मन्त्री बनाएल गेल अइछ । नवनियुक्त मंत्रीसबमध्ये जनमतक महेश प्रसाद यादवकेँ अर्थ मन्त्रालयक जिम्मा देल गेल अइछ । नव गठित मन्त्री परिषद्क पहिल बैठक सेहो आइये बैठल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय