एनपिएलः अर्धशतकके सङ्ख्या ३३ पहुँचल


काठमाण्डू, २० अगहनः एनपिएलमे अर्धशतकके सङ्ख्या ३३ पहुँचल अइछ । विराटनगर किंग्सके साम हिजलेट आइ सुदूरपश्चिम रोयल्सविरुद्ध अर्धशतक बनेलासँ अर्धशतकके सङ्ख्या ३३ पहुँचल छै ।

अइसँ पहिने जारी ‘सिजन’मे चितवन राइनोजके रवि बोपरा तीन, पोखरा एभेन्जर्सका कुशल भुर्तेल आ कर्णाली याक्सके प्रियान्क पन्चाल दू/दू अर्धशतक बनाैने छल ।

एहिना सुदूरपश्चिम रोयल्सके विनोद भण्डारी, जोश ब्राउन, हरमित सिंह, क्रिश लिन ईशान पाण्डे, विराटनगर किंग्सके लोकेश बम, फाफ डू प्लेसिस, मार्टिन गुप्टिल, बसिर अहमद, पोखराके सुमित बर्मा, जिमी निशम, एडम रोसिङटन, रिसि धवन, चितवनके डेविड मलान आ अर्जुन साँउद, काठमाण्डू गोर्खाजके भीम सार्की, जोन सिम्प्सन, बेन चाल्र्सवर्थ, कर्णालीके मार्क वाट, लुम्बिनीके डार्सी सर्ट, जनकपुर बोल्ट्सके वायन पार्नेल, सञ्जय कृष्णमूर्ति, माज सदाकत, अनिल शाह आ आशिफ शेख एक/एक अर्धशतक बनाैने अइछ ।

कर्णालीके मार्क वाट आ पोखराके एडम रोसिङटन दुगोटे जारी प्रतियोगितामे शतक प्रहार कएने अइछ ।
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय