काठमाण्डू, ५ आसिनः न्यायपूर्ण, समृद्ध आ आत्मनिर्भर राष्ट्र निर्माणक उद्देश्यसहित इन्जिनियर दिपक कुमार साहके संयोजकत्वमे जनस्वराज पार्टी घोषणा कएल गेल अइछ ।
इएह आसिन ३ आ ४ गते जनकपुरमे आयोजित प्रशिक्षण कार्यक्रमसँ जनस्वराज पार्टीके घोषणा कएल गेल संयोजक साह जानकारी देलैन ।
भेलासँ साहके संयोजकत्वमे प्रशिक्षण विभाग आ इन्जिनियर सुरेन्द्र नारायण यादवके संयोजकत्वमे आर्थिक विभागसमेत गठन कएल गेल अइछ । पार्टी संयोजक साह अइसँ पहिने जनमत पार्टीके राष्ट्रिय उपाध्यक्ष आ आर्थिक विभाग संयोजक यादव जनमतके कोषाध्यक्ष छलैन ।
उक्त पार्टी कार्यकारी राष्ट्रपतीय प्रणाली आ पूर्णसमानुपातिक निर्वाचन प्रणाली लागू करबाक, भ्रष्टाचारमुक्त, पारदर्शी आ जवाफदेही राजनीति स्थापित करबाक, शिक्षा, स्वास्थ्य आ रोजगारीके सुनिश्चिततासहित देशक पूर्वाधार विकासकेँ प्राथमिकता देबाकलगायत उद्देश्य राखल गेल संयोजक साह राससकेँ जानकारी देलैन । (रासस)





