काठमाडू । प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की नेतृत्वक अन्तरिम मन्त्री परिषदमे सोमदिन चार गोट नव मन्त्रीसभ पद आ गोपनीयताके शपथ लेलक अइछ ।
शिक्षा, विज्ञान आ प्रविधि मन्त्री महावीर पुन, उद्योग आ भूमिसुधार मन्त्रीमे पूर्व न्यायाधीश अनिलकुमार सिन्हा, सञ्चार, सूचना आ प्रविधि मन्त्रीमे पत्रकार जगदीश खरेल आ कृषिमन्त्रीमे जलवायु आ कृषिविज्ञ डा. मदन परियार शपथ लेलक अइछ । कार्की मंत्रिपरिषदमे प्रधानमन्त्री सहित सात सदस्यीय भेल अइछ । पूर्व अर्थमन्त्री रामेश्वर खनाल, गृह एवम् कानुन मन्त्री ओमप्रकाश अर्याल आ ऊर्जा, भौतिक योजना, निर्माण आ सहरी विकास मंत्री कुलमान घिसिङ नियुक्त भऽ चुकल अइछ ।
महावीर पुन राष्ट्रिय आविष्कार केन्द्रक संस्थापक अध्यक्ष छइथ । अमेरिकासँ अध्ययन पूरा कए गाममे प्रविधि आ शिक्षाक पहुँच बढ़ेने छइथ । हुनका २००७ मे रामोन म्याग्सेसे पुरस्कार आ २०७९ मे भवन कीर्ति रत्न पुरस्कार भेटल छल ।
अनिलकुमार सिन्हा कर आ कर्पोरेट कानुनक विज्ञ वकील रहि चुकलाह । सर्वोच्च अदालतमे न्यायाधीशक हैसियतसँ संसद विघटन आ लोकमानसिंह कार्की प्रकरणमे निर्णायक भूमिका निभौने छल ।
दू दशक सँ पत्रकारितामे सक्रिय जगदीश खरेल सञ्चार मन्त्री बनल अइछ । ओ इमेज टिभीमे समाचार प्रमुख आ चर्चित कार्यक्रम ‘हट सिट’ केर सञ्चालक छल ।
डा. मदन परियार समता फाउन्डेसनक अध्यक्ष आ दलित समुदाय सँ पिएचडी करऽ वला पहिल व्यक्ति मानल जाइत छइथ । ओ संविधानसभा राज्य पुनर्संरचना आयोगक संयोजक सेहो रहल छल । एकर अतिरिक्त उदयपुर सिमेन्ट संग कृषि औजार कारखानाक महाप्रबन्धकक रूपमे सेहो सेवा देने छइथ ।
स्वास्थ्य मन्त्री बनबाक लेल डा. संगीता कौशल मिश्राक नाम सिफारिस भेल छल, मुदा अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक छानबीनमे रहबाक कारण हुनकर नियुक्ति रोइक देल गेल प्रधानमन्त्री कार्यालय जनौलक ।






